बिहार मे 1797 नबका कोरोना संक्रमित मरीजक पहचान भेल। एकरा संगहि राज्य मे कोरोना संक्रमितक संख्या बढ़ि क’ 1,47,658 भ’ गेल अछि।

राज्य कें दू ज़िला पटना आ अररिया मे एक सौ सं बेसिसंक्रमित मरीज भेटल। पटना मे सर्वाधिक 215 आ अररिया मे 151 नबका संक्रमितक पहचान भेल।

ओतय, अरवल मे 17, औरंगाबाद मे 60, बाँका मे 14, बेगूसराय मे 35, भागलपुर मे 89, भोजपुर मे 26, बक्सर मे 15, दरभंगा मे 36, पूर्वी चंपारण मे 44, गया मे 38, गोपालगंज मे 49, जमूई मे 37, जहानाबाद मे 24, कैमूर मे 11, कटिहार मे 26, खगड़िया मे 13, किशनगंज मे 24, लखीसराय मे 65, मधेपुरा मे 50, मधुबनी मे 68, मुंगेर मे 22, मुजफ्फरपुर मे 63, नालंदा मे 28, नवादा मे 22, पूर्णिया मे 86, रोहतास मे 44, सहरसा मे 61, समस्तीपुर मे 40, सारण मे 69, शेखपुरा मे 18, शिवहर मे 10, सीतामढ़ी मे 44, सीवान मे 31, सुपौल मे 76, वैशाली मे 22 आ श्चिमी चंपारण मे 54 नबका संक्रमितक पहचान कयल गेल अछि।