बिहार मे गृह मंत्रालयक जारी अनलॉक-4 कें पूरा दिशा-निर्देश लागू रहत। राज्य सरकार द्वारा लगाओल गेल अनलॉक रैबदिन समाप्त भ’ गेल छल। सोमदिन बिहार सरकारक गृह विभाग केन्द्रक गाइडलाइन बिहार मे लागू रखबाक आदेश जारी क’ देलक। अखन राज्य मे कोनो नव पाबंदी लगेबाक संभावना नहि अछि। गृह विभागक अपर मुख्य सचिव आमिर सुबहानी कहलनि जे राज्य मे गृह मंत्रालयक अनलॉक-4 के दिशा-निर्देश पूर्ण तरहे लागू रहत। अधिकारि कें एकर पालन करबाक आदेश देल गेल अछि।

21 सितम्बर सं भेटत बहुत राहत
29 अगस्त कें गृह मंत्रालय अनलॉक-4 के ल’ दिशा-निर्देश जारी केने छल। ई 1 सं 30 सितम्बर धरि पूरा देश मे प्रभावी अछि। एकरा तहत राज्य मे आ राज्य सं बाहर आबय-जाय पर कोनो रोक नहि होयत। 21 सितम्बर सं बहुत अन्य गतिविधि कें संचालित करबाक छूट देल गेल अछि। एकरा तहत धार्मिक, सामाजिक, राजनीतिक, खेल आ मनोरंजन सं जुड़ल कार्यक्रम आयोजित कयल जा सकैत अछि। जखन अहिमे 100 सं बेसि लोक उपस्थित नहि रहि सकैत अछि। अखन अहि तरहक आयोजन पर रोक अछि। ओतय शादी समारोह मे 50 आ अंतिम संस्कार मे 20 लोग उपस्थितक पुरान आदेश 20 सितम्बर धरि प्रभावी रहत। 21 सितम्बर सं शादी समारोह आ अंतिम संस्कार मे 100 लोक शामिल भ’ सकता।

स्कूल-कॉलेज मे नियमित क्लास पर रोक जारी रहत
अनलॉक-4 मे स्कूल-कॉलेज मे नियमित क्लास पर रोक जारी रहत। 21 सितम्बर सं ऑनलाइन क्लास कें लेल शिक्षण संस्थानक अपन 50 प्रतिशत शिक्षक आ कर्मचारि कें बजेबाक अनुमति अछि। 9 वीं सं 12 वीं धरि कें छात्र, पढ़ाई कें सिलसिला में शिक्षक सं स्कूल मे भेट क’ सकैत अछि, मुदा एकरा लेल अभिभावक अनुमति अनिवार्य होयत।

सिनेमा हॉल, पार्क बंद रहत
अनलॉक-4 मे सिनेमा हॉल, पार्क, स्वीमिंग पूल, थिएटर कें पहिने तरहे बंद राखल गेल अछि। ओतय ओपेन थिएटर 21 सितम्बर सं खुल सकैत अछि। कंटेनमेंट जोन मे पाबंदियां रहत। ओतय लॉकडाउन रहत। 30 सितम्बर धरि कंटेनमेंट जोन मे कोनो तरहक रियायत नहि देल जायत।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु