बिहारक पीएमसीएच मे पहिल बेर भर्ती मरीजक लेल मेडिकल बुलेटिन जारी होयत। अहिमे हुनकर परिजनक स्थिति केर ब्यौरा बताओल जायत। ई व्यवस्था अखन कोविड वार्ड मे भर्ती मरीज कें लेल लागू होयत। एकर अलावा हरेक बेड पर एकटा कॉलबेल लागत जाहिसँ मरीज जरूरत पड़ला पर नर्स आ सहायक कें बजा सकता।

बुलेटिन सं हेल्प डेस्क पर पूर्ण सूचना मिलत। एतबे नहि, कोविड वार्ड कें लेल एहन नंबर सेहो जारी कयल जायत, जकर माध्यम सं परिजन विडियो कॉन्फ्रेंसिंग सं अपन परिजन सं सीधा बात क’ सकता। प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत कें निर्देश पर राज्यक कोनो भी अस्पताल मे ई पहिल बेर होयत। प्रधान सचिव पीएमसीएच कें औचक निरीक्षण केलाथ। ओ सीधा कोविड वार्ड मे पहुंचला, ओतय प्रतिनियुक्त आईएएस आ आईपीएस अधिकारी हुनक संग छला।

सूचना पाबि प्राचार्य डॉ. बीपी चौधरी आ अधीक्षक डॉ. बिमल कारक वा कोरोनाक नोडल पदाधिकारी डॉ. पीएन झा सेहो वार्ड मे पहुंचला। प्रधान सचिव भर्ती मरीज सं हुनक हालचाल पुछलनि आ वार्ड मे मिल रहल सुविधा आ समस्या सं अवगत भेला। मरीज वार्ड मे गंदगी, पेशाब, मल-मूत्र सं बदबूक शिकायत हुनका सं केलक। ओ प्राचार्य आ अधीक्षक कें जल्द सं जल्द पूरा वार्डक तैयारी पूर्ण करबाक निर्देश देलनि। जल्द सं जल्द सभ’ 100 बेडक तैयार क’ ओकरा सं ऑक्सीजन पाइपलाइनक आपूर्ति सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। एकरा बाद प्राचार्य कक्ष मे समीक्षाक बाद बहुत अन्य निर्देश सेहो देलनि।

ई अछि महत्वपूर्ण निर्देश

  1. मरीजक हाथ मे परिचय पत्र युक्त बैंड लागत
  2. परिजन कें सेहो आईकार्ड भेटत
  3. परिजन कें समय पर दबाइ देनाइ सुनिश्चित करय परत
  4. वार्ड मे कम सं कम तीन बेर डॉक्टर भ्रमण क’ मरीजोक हाल जनता
  5. 24 घंटाक शिफ्ट मे नर्स वा वार्ड ब्वॉय मौजूद रहत
  6. नर्स आ सहायक कें बजबै लेल वार्ड मे बेल लगत
  7. मृतक कें शव मरलाक 10 सं 15 मिनटक भीतर वार्ड सं हटबै परत
  8. वार्ड मे सफाईक व्यवस्था दुरुस्त रखै परत