कोरोनावायरस कें बढ़यत संक्रमण कें देखैत बिहार सरकार ई फैसला लेने अछि जे की संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जदयू कें वर्चुअल सम्मेलन कें दौरान एकर ऐलान केलनि। नीतीश कहलनि जे देश मे लॉकडाउन खत्म भ’ चुकल अछि आ धीरे-धीरे बाजार खुलल जा रहल अछि। परन्तु, हमर सरकार ई फैसला लेलनि अछि जे जाहि इलाका मे कोरोना कें नबका केस मिल रहल अछि, ओतय लॉकडाउन जेहन सख्ती जारी रहत। कही दी जे पटना जिला मे अखन धरि कुल 38 कंटेनमेंट जोन अछि। जाहिमे पटना सदर मे 19, पटना सिटी मे 10, दानापुर मे 8 आ मसौढ़ी प्रखंड मे एक प्रतिबंधित क्षेत्र अछि।

केंद्रीय गृह मंत्रालय 31 मई क’ ई ऐलान केलनि छल जे देश मे आब लॉकडाउन क’ आगू नै बढ़ाओल जायत। तीन फेज मे देश क’ खोलबाक निर्णय लेल गेल अछि। अहि कें तहत एक सं 30 जून तक पहिल फेज मे काफी छूट देल गेल अछि। बिहार सरकार सेहो ई आदेश जारी केलनि छल जे केंद्रक फैसला क’ राज्य मे लागू करब। केंद्र कें गाइडलाइन कें अनुसारे हमसाब आगू बढ़ेब।

संक्रमण वला क्षेत्र कें लेल ई नियम लागू रहत

  • दुकान खोलबाक सहित अन्य कोनो तरहक गतिविधि पर पूर्ण रोक
  • स्थानीय प्रशासन कें मदद सं होम डिलिवरी कें माध्यम सं आवश्यक सामग्री केर आपूर्ति
  • लोक कें बाहर निकलय पर रोक जारी रहत
  • बाहरी व्यक्ति क’ कंटेनमेंट जोन वला इलाका मे प्रवेश केर अनुमति नै मिलत
  • आदेश कें उल्लंघन करय वला पर कार्रवाइ होयत