बिहार: एम्स मे कोरोना वैक्सीन कें तेसर चरणक ट्रायल 16 सं

एम्स पटना मे कोरोना वैक्सीन कें तेसर चरणक ट्रायल 16 नवंबर सं होयत। एकरा लेल स्वयंसेवक सं हिस्सा लेबाक आग्रह कयल गेल अछि।

0
137

एम्स पटना मे कोरोना वैक्सीन कें तेसर चरणक ट्रायल 16 नवंबर सं होयत। एकरा लेल स्वयंसेवक सं हिस्सा लेबाक आग्रह कयल गेल अछि। इच्छुक स्वयंसेवी मोबाइल नंबर 94714 08832 पर संपर्क क’ रजिस्ट्रेशन करा सकैत छथि।

एम्स पीआरओ सुरभि बतओलनि जे अहिसं पहिने सेहो एम्स पटना मे दू चरण मे वैक्सीन कें ट्रायल भ’ चुकल अछि। पहिल फेज मे 44 आ दोसर फेज मे 46 लोग पर वैक्सीन के ट्रायल कयल गेल छल। सभ’ 90 लोक मे एकर परिणाम सकारात्मक आयल अछि। दू चरणक परिणाम कें देखैत सरकार तेसर फेजक ट्रायल कें स्वीकृति देने अछि।

पटना मे 4 कें मृत्यु, 112 नबका संक्रमित भेटल
पटना मे चाइर कोरोना संक्रमितक मृत्यु भ’ गेल अछि जखन 112 नबका संक्रमित भेटल। मृतक मे कोनो पटना के नहीं अछि । एम्स आ पीएमसीएच मे दू-दूटा कें मृत्यु इलाज के दौरान भेल। मुंगेर के 10 वर्षीय बालक सुमन कुमार आ पूर्वी चंपारण के रामबली राम के मृत्यु पीएमसीएच मे जखन एम्स मे भोजपुर के दूधनाथ सिंह आ धनबाद कें चंद्र देव शर्मा कें मृत्यु भेल। आब पटना मे कुल संक्रमितक संख्या 38725 भ’ गेल अछि। अहिमे 36701 लोक स्वस्थ भ’ चुकल अछि, जखन एक्टिव संक्रमितक संख्या 1734 भ’ गेल अछि।

पीएमसीएच 622 लोकक कोरोना जांच भेल जाहिमे 18 पॉजिटिव भेटल। अहिमे आठ पीएमसीएच कें भर्ती मरीज, चाइर सुपौल वा एकटा शेखपुरा कें निवासी अछि। आब पीएमसीएच मे भर्ती कुल संक्रमितक संख्या 30 भ’ गेल अछि।

एम्स मे छ भर्ती, आठ डिस्चार्ज
एम्स मे छ नबका संक्रमित भर्ती भेल। जखन आठ कें डिस्चार्ज कयल गेल अछि। दूटा कें मृत्यु इलाज कें दौरान भेल। आब कुल भर्ती मरीजक संख्या 140 भ’गेल अछि। एम्स मे कोरोनाक नोडल पदाधिकारी डॉ संजीव कुमार बतओलनि बुधदिन कुल 912 लोकक कोरोना जांच भेल। अहिमे 11 लोक पॉजिटिव पाओल गेल छथि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here