बिहारक 50 सीट पर चुनाव लड़त शिवसेना, मुदा ‘धनुष आ तीर’ नहि होयत सिंबल, जानू किएक

शिवसेना बिहार विधानसभा चुनाव मे 50 सीट पर चुनाव लड़त। पार्टीक राज्यसभा सांसद अनिल देसाई न्यूज एजेंसी पीटीआई सं बात करैत कहलेथि जे ओ बिना कोनो गठबंधन कें चुनावी मैदान मे उतरता।

0
373

शिवसेना बिहार विधानसभा चुनाव मे 50 सीट पर चुनाव लड़त। पार्टीक राज्यसभा सांसद अनिल देसाई न्यूज एजेंसी पीटीआई सं बात करैत कहलेथि जे ओ बिना कोनो गठबंधन कें चुनावी मैदान मे उतरता। देसाई कहलनि जे शिवसेना कें बिहार चुनाव मे हुनक कोनो पार्टी कें संग गठबंधन नहि अछि आ हम लगभग 50 सीट पर चुनाव लड़ब। ओ कहलनि जे हम उम्मीदवार कें ओहि क्षेत्र मे चुनावी मैदान में उतारने छी, जतय हमरा कैडर सार्वजनिक कार्य मे शामिल रहल अछि।

ओ कहलनि जे बिहार चुनाव कें लेल शिवसेनाक चुनावि चिह्न ‘तुरा बजबैत आदमी’ होयत। ओ बतओलनि जे चुनाव आयोग पहिने शिवसेना कें अपन पार्टी कें प्रतीक ‘धनुष और तीर’ कें उपयोग करे सं रोकने छल किएकी ओ बिहार विधानसभा चुनाव मे जदयू के चुनाव चिन्ह ‘तीर’ सं मिलैत जुलैत छल।

बिहार मे चुनाव प्रचार कें लेल महाराष्ट्रक मुख्यमंत्री आ शिवसेना अध्यक्ष उद्धव ठाकरे कें कार्यक्रम कें बारे मे पूछला पर, देसाई कहलनि जे विवरण स्वयं पार्टी आ सीएम द्वारा देल जायत। शिवसेना 22 नेताक सूची जारी केलक जे बिहार मे चुनाव प्रचार करता। उद्धव ठाकरे कें अलावा हुनक पुत्र आ महाराष्ट्र कें पर्यटन मंत्री आदित्य ठाकरे सेहो सूची मे शामिल छथि।

बिहार चुनाव प्रचार करय वला अन्य शिवसेना नेता मे सुभाष देसाई, संजय राउत, अनिल देसाई, विनायक राउत, अरविंद सावंत, प्रियंका चतुर्वेदी, राहुल शेवाले आ क्रुणाल शामिल छथि।अहाँके कही दी जे 243 सदस्यीय बिहार विधानसभाक लेल चुनाव 28 अक्टूबर, 3 नवंबर आ 7 नवंबर कें तीन चरण मे होयत आ वोटक गिनती 10 नवंबर कें होयत।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू