YouTuber कैरी मिनाटी बिहारक बाढ़ि मे प्रभावित लोक सबकें लेल 11 लाख रुपया दान केलनि अछि. कैरी मिनाटी ई पैइसा सीएम राहत कोष मे जमा केलनि.

मिनाटी लाइव स्ट्रीम कें माध्यम सं 10.3 लाख रुपया जमा केलनि, जाहिमे 1 लाख रुपया मिला क’ ओ सीएम राहत कोष मे जमा केलैथ. मिनाटी अहि बारे मे ट्विटर पोस्ट लिखैत ओ सभ’ लोक कें धन्यवाद देलनि, जे बिहार कें लेल चैरिटी स्ट्रीम मे 10,31,137 रुपया इकट्ठा करय मे सहयोगा केलाथ.

राशि जुटेबाक लेल मिनाटी YouTube पर लाइव स्ट्रीमिंगक घोषणा केने छला. एकरा संगे ई सेहो कहलनि जे, जे दान मे सबसा बेसि योगदान देत. ओ ओकरा लेल Shout-out करता. लाइव स्ट्रीमिंग रैबदिन शाज 7 बजे सं शुरू भेल छल आ 6 घंटा चलल.