बिहार कैबिनेट केर बैठक भेल छल। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं एकर अध्‍यक्षता केलनि। सोशल डिस्‍टेंसिंग केर पालन करैत लॉकडाउनक दौरान बिहार कैबिनेट केर ई तेसर बैठक छल। अहि मे कुल सात एजेंडा पर मोहर लागल अछि। जाहि मे सबसं बड़का निर्णय कें रूप मे सरकार कृषि इनपुट सब्सिडी लेल 151 करोड़क राशि स्वीकृत केलक।

एकर अलावा स्कूलक रखरखाव आदि लेल सेहो राशि स्वीकृत कएल गेल अछि। बताओल गेल अछि जे कैबिनेट जिला स्तरीय स्कूलक अध्यापक कें सालाना 12 लाख रुपया खर्चक स्वीकृति पर अपन मोहर लगओलनि। प्रखंड स्तर कें स्कूलक प्रिसिंपल कें 6 लाख रुपया प्रतिवर्ष खर्च करबाक स्‍वीकृति देल गेल अछि। ई राशि स्कूल केर रंग रोगन, बागवानी, बिजली बिल आदि केर रूप देल जायत। अहि संग बिहार विधान मंडलक बजट सत्र 2020 केर सत्रावसान कें स्वीकृति सेहो देल गेल।