Bihar Board 10th Result 2020: बिहार स्‍कूल एग्‍जामिनेशन बोर्ड, बीएसईबी (Bihar School Examination Board, BSEB) 10माके रिजल्ट आबि सकैछ. बता दी जे की बिहार बोर्ड फरवरीमे परीक्षा आयोजित कयने छल आओर 12वाके परिणाम, मार्च 2020 मे आबि गेल अछि. मैट्रिक परीक्षाके कॉपीके देखनाइ पछिला सप्ताहमे पूरा भ’ गेल छल.

15 लाख सँ बेसी विद्यार्थी लोकिन देने छलथि परीक्षा

बिहार बोर्ड 10माके रिजल्‍ट ( Bihar Board 10th Class results) अथवा कही बीएसईबी मैट्र‍िकक रिजल्‍टके (BSEB Matric results) घोषणा, बोर्डक आधिकारिक वेबसाइट biharboardonline.bihar.gov.in पर कयल जायत. बीएसईबी (BSEB) मैट्र‍िक परीक्षार्थ‍ी सभके कॉपीके देखनाइ तं पहिले भ’ गेल छै, आब छात्र सभके अपन परीक्षाके परिणामक प्रतीक्षा छन्हि. मुदा बोर्ड अखनि धरि कोनो तारीखके घोषणा नहि कयलक अछि, मुदा रिपार्ट सभके मानी तं टॉपर्सके कॉपि सभके स्‍क्रूटनी भेलाक ठीक बाद रिजल्ट आबि जायत. राज्यमे 15 लाख 20 हजार 393 छात्र/छात्रा सभ परीक्षा देने छलाह/छलीह.

मोबाइल पर सभसँ पहिले रिजल्ट प्राप्त करू

अहि वेबसाइट्स पर चेक करु अपन रिजल्‍ट

biharoardonline.bihar.gov.in
biharboard.online
onlinebseb.in
indiaresults.com
examresults.net