Thursday, October 22, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल कोरोना संक्रमित, परिवार कें सदस्य सेहो पॉजिटिव

भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल कोरोना संक्रमित, परिवार कें सदस्य सेहो पॉजिटिव

बिहार भाजपा मुख्यालय मे सेहो कोरोनाक इंट्री भ’ चुकल अछि। पार्टी कें प्रदेश संगठन महामंत्री नागेंद्र, महामंत्री देवेश कुमार सहित प्रदेशस्तरीय 5 पदाधिकारी कोरोनाक चपेट मे आबि गेल छथि। आब प्रदेश भाजपा अध्यक्ष संजय जायसवाल सेहो कोरोना संक्रमित भ’ गेल छैथ। संजय जायसवाल केर पत्नी आ मां कें रिपोर्ट सेहो कोरोना पॉजिटिव आयल अछि।

पार्टी कें सूत्र सं मिलल जानकारी कें अनुसार संजय जायसवाल क’ सर्दी खांसी आ हल्का बुखार छलनि। पिछला सप्ताह ओ पार्टी कें क्षेत्रीय बैठक मे शामिल होबय आयल छला। जखन हुनका अधिक परेशानी होबय लगलन त’ ओ जांच करैलथ। ओहिमे हुनकर रिपोर्ट कोरोना पॉजिटिव आयल। एकरा बाद बाकी नेता कें जांच मे एकर खुलासा भेल। आब पार्टी कें कुन नेताक संपर्क कें आबय सं कोरोना भेलै, एकर आधार पर बाकी अपन जांच करैता।

पटना कें दू सिटी एसपी कोरोना संक्रमित, पुलिस मे मचल हड़कंप
कोरोना कें संक्रमण पुलिस कें अधिकारि धरि पसरनाइ शुरू भ’ गेल अछि। मंगलदिन क’ जांच मे पटना कें दू सिटी एसपी कोरोना संक्रमित पायल गेला। ओहिमे सिटी एसपी पूर्वी जितेंद्र कुमार तथा सिटी एसपी वेस्ट अशोक मिश्रा शामिल छैथ। जिला प्रशासन आ सिविल सर्जन केर रिपोर्ट मे एकर पुष्टि कयल गेल अछि। दूनु क’ संक्रमित मिलाक बाद सं पुलिस कें गूट मे हड़कंप मचल अछि। ई दूनु संक्रमित अधिकारि कें संपर्क मे रहल सहकर्मिक सेहो कोरोना जांच कराओल जायत तथा हुनका क्वारंटाइन मे रहय परत।

पटना एम्स मे 5 संक्रमित समेत 10 कें मृत्यु
बिहार कें सबसा बड़का अस्पताल पीएमसीएच कें एकटा डॉक्टर कें कोरोना सं मृत्युक सूचना छल , मुदा आब एक संगे 13टा स्वास्थ्यकर्मि कें संक्रमित होबाक सूचना आबिगेल अछि। अहिमे पीएमसीएच कें ईएनटी आ आई विभाग कें तीन डॉक्टर, दू पुरुष नर्स, माइक्रोबायोलॉजी विभागक एक टेक्नीशियन, एक महिला सफाईकर्मी आ पांच अन्य स्वास्थ्यकर्मी शामिल अछि।

Most Popular

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।

प्रधानमंत्री मोदी आ राहुल गांधी संगहि बिहार मे करता चुनाव प्रचार अभियानक आरम्भ

बिहार मे 23 अक्टूबर कें दुनू बड़का गठबंधनक शीर्ष नेता चुनावी प्रचारक आरम्भ करता। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एनडीए उम्मीदवारक पक्ष मे चुनाव प्रचार कें लेल 23 कें बिहार आबि रहल छथि।