पटना मे सुशांत सिंह राजपूत कें परिवार सं भेट केलैथ मनोज तिवारी, कहलनि- दोषि क’ सजा देबाक लेल सीबीआई जांच जरूरी

दिवंगत बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत कें परिजन सं मिलबाक लेल भाजपा नेता मनोज तिवारी पटना पहुंचला। राजीवनगर मे सुशांत सिंह कें घर पहुँचबाक बाद मनोज तिवारी दिवंगत अभिनेता कें पिता सं मुलाकात केलनि।

दिवंगत बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत कें परिजन सं मिलबाक लेल भाजपा नेता मनोज तिवारी पटना पहुंचला। राजीवनगर मे सुशांत सिंह कें घर पहुँचबाक बाद मनोज तिवारी दिवंगत अभिनेता कें पिता सं मुलाकात केलनि। अहि सं पहिने पटना एयरपोर्ट पर मीडिया कें संग संक्षिप्त बातचीत मे मनोज तिवारी कहलनि जे सुशांत सिंह केर मृत्यु कें हमरा काफी दुख अछि। संगे हम बिहार कें लोक क’ ई भरोसा दिलाबा चाहैत छी जे अहि मामला कें तह तक जायब आ जे लोक अहिमे शामिल अछि, ओकरा सजा दिलवा क’ छोड़ब।

मनोज तिवारी कहलनि जे सुशांत सिंह केर मौत सं जुड़ल बहुत बात सामने आबि रहल अछि जकरा देखैत कहल जा सकेत अछि जे कतौ नै कतौ किछू एहन भेल जाकर कारण एकटा अभिनेता क’ ई कदम उठाबय पड़ल। संगहि हम महाराष्ट्र सरकार सं ई मांग करब जे एकर उच्चस्तरीय जांच कराओल जाय। मनोज तिवारी आगू कहलनि हम अभिनेता सुशांत सिंह केर मृत्यु क’ ल’ सीबीआई जांचक सेहो मांग करब।

सुशांत सिंह राजपूत कें निधन सं दुखी मैथिली ठाकुर उठौलनि बड़का कदम
सुशांत सिंह राजपूत कें निधन सं अखन धरि फैन्स आ सेलेब्स सदमा मे छथ। अखन हाल ही मे बिहार केर पॉपुलर सिंगर मैथिली ठाकुर ई फैसला लेलनि जे ओ आब बॉलीवुड गाना नै गोति । कही दी जे मैथिली बहुत बॉलीवुड, हॉलीवुड गाना कें कवर सॉन्ग अपन यूट्यूब पर अपलोड करैत छलि । मैथिली कें पिता एकटा चैनल सं बात करैत अहि बारे मे बतओलनि। ओतय अहिसँ पहिने मैथिली सेहो फेसबुक लाइव आबि कहलनि जे, ‘हम अहि चैनल पर बॉलीवुड गाना क’ कवर केनाइ शुरू केने छलाउ। हमरा काफी अच्छा रिस्पॉन्स मिलल। पिछला 1 साल  मे अहि चैनल कें सब्सक्राइबर 1.5 मिलियन सं ज्यादा भ’ गेल ‘।