बिहार मे मक्का केर फसल कें लेल अमेरिकन कीट बनल कोरोना, बर्बादी देखि कनला किसान

0
51

किसान अखन किछू दिन सं टिड्डी केर प्रकोप सं आंशकित छला। यूपी मे टिड्डि कें हमला सं बिहारक किसान अलर्ट भ’ गेला। परन्तु बिहार कें भागलपुर मे किसान एकटा अलगे प्रकार कें कीट सं परेशान छथ । खेत मे लागल मक्का केर फसल अहि बेर किसानक हक्का-बक्का को देने अछि। अमेरिकन कीट कें प्रकोपक कारण फसल बर्बाद भ’ रहल अछि। अहि पर आम कीटनाशक दवायक कोनो असर नै भ’ रहल अछि। पौधा संरक्षण विभाग कीट केर बढ़ैत सक्रियताक देखैत ई कीट कें मक्का केर खेती कें लेल कोरोना बतौलनि अछि।

गरमा आ खरीफ मक्का अछि खेत मे

जिला कृषि पदाधिकारी केके झा कें अनुसार जिला मे 62,995 हेक्टेयर मे मक्का केर फसल लगाओल गेल अछि। 18,995 हेक्टेयर मे गरमा आ 44,000 हेक्टेयर मे खरीफ मक्काक खेती कयल गेल अछि। किसान लॉकडाउनक दौरान बेसि रकम पर बीज आ खाद ल’ एकर खेती केने छला। अमेरिकन फॉल आर्मी वर्म आब किसान सब कें लेल सिरदर्द भ’ गेल अछि ।

पौधा कें विकास केर करैत अछि बाधित

ई कीट मक्का कें ऊपरी हिस्सा आ भुट्टा केर खायत अछि। एकरा बाद पौधा कें विकासक बाधित करैत अछि। ई कीटक लार्वा व पिल्लू काफी आक्रामक अछि। ई 25 डिग्री सेंटीग्रेड सं अधिक तापमान पर सक्रिय भ’ जायत अछि।

कृषि यंत्र कें लेल मिलत अनुदान

कीट नियंत्रण कें लेल पौधा संरक्षण विभाग कृषि यंत्रक खरीदो कें लेल अनुदान उपलब्ध करा रहल अछि। कीट केर पाहिले जैविक तरीका सं नियंत्रित करबाक लेल फोरमैन ट्रैप नामक जैविक कृषि यंत्रक खरीद पर अनुदानक व्यवस्था अछि। पौधा संरक्षण विभाग, भागलपुर कें सहायक निदेशक रवींद्र कुमार कहलनि जे फॉल आर्मी कीट कें प्रकोपक शिकायत कहलगांव कें किसान सं मिलल छोल। किसान कें एकरा सं बचाव कें दवा अनुशंसित को उपयोग कें आवश्यक सुझाव देल जा रहल अछि।