स्टार्टअप इंडिया मे बिहार बनल लीडर, केंद्र सरकार जारी केलक रैंकिंग – Start Up Bihar

बिहारक युवा लेल शुभ समाचार अछि, जिनकर दिमाग मे बिजनेस सं जुड़ल कोनो नया विचार रखैत छथि। उद्योग क्षेत्र मे नवाचारक मामला मे बिहार पूरा देश मे अव्वल रहल अछि।

0
310

बिहारक युवा लेल शुभ समाचार अछि, जिनकर दिमाग मे बिजनेस सं जुड़ल कोनो नया विचार रखैत छथि। उद्योग क्षेत्र मे नवाचारक मामला मे बिहार पूरा देश मे अव्वल रहल अछि। स्टार्टअप इंडिया केर ओर सं वर्ष 2019 कें उद्योग सं जुड़ल विभिन्न क्षेत्र मे राज्यक रैंकिंग केंद्र केने अछि। बिहारी युवा एक बेर फिर ई साबित केलनि जे नव आ निक विचारक मामला मे हुनकर कोनो जोर नहि अछि।

केंद्र सरकार सात अलग-अलग कैटेगरी मे सूची जारी केने अछि। ओहिमे नवाचार अर्थात इवोनेशन लीडर तैयार करबाक मामला मे बिहार पहिल पायदान पर अछि। दोसर नाम केरल आ तेसर महाराष्ट्रक अछि। खास बात ई अछि जे कि देशक व्यावसायिक राजधानी मुंबई वला राज्य महाराष्ट्र अहि सूची मे बिहार सं दू पायदान नीचा अछि।

उद्योग क्षेत्र मे नव विचार कें मूर्त रूपदेबाक लेल बिहार 2016 मे अपनी स्टार्टअप नीति लागू केने छल। तखन बिहार ओहि गिनल-चुनल राज्य मे सं छल जाहिमे अपन अलग स्टार्टअप नीति बनोओने छल। सीएम नीतीश कुमार कें निर्देश पर 2017 मे अहि नीति मे किछू बदलाव क’ एकरा आर प्रभावी बनाओल गेल। स्टार्टअप कें लेल सरकार आब औद्योगिक क्षेत्र मे जमीन देबाक सेहो व्यवस्था करय जा रहल अछि।

उद्योग क्षेत्र मे सेहो बिहार लीडर
केंद्र द्वारा सात कैटेगरी मे जारी कयल गेल राज्यक रैंकिंग मे बिहारक नाम दू श्रेणिय में पहिल पायदान पर अछि। नवाचार कें अलावा लीडर कैटेगरी मे सेहो राज्य पाहिल पायदान पर अछि। अहि कैटेगरी मे बिहारक अलावा महाराष्ट्र, चंडीगढ़, ओडिशा आ राजस्थान कें नाम अछि।

स्टार्टअप कें ल’ बिहार सरकार बेहद प्रभावि रहल अछि। नवाचार कें लेल सबसा पहिने बिहार 10 लाख रुपया नबका स्टार्टअप कें देबाक व्यवस्था केलक। सरकार स्टार्टअप कें आर सुविधा देबय जा रहल अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here