बिहार मे आकाशीय बिजली गिरला सं 83 लोकक मृत्यु, बहुत घायल

0
35

बिहार मे आइ आकाशीय बिजली गिरला आ आंधी-तूफान सं भारी तबाही भेल. बिजली गिरला सं बिहार मे 83 लोक केर मृत्यु भ’ भेल. जखन बहुत लोक घायल गेला. उत्तर प्रदेश मे सेहो बिजली गिरला सं कम सं कम 9 लोक केर मौत भ’ गेल.

बिहार कें 23 जिलों मे आकाशीय बिजली गिरला सं मानवीय क्षति भेल अछि. सबसा बेसि मृत्यु गोपालगंज मे भेल जतय 13 लोक मारल गेला. जखन मधुबनी आ नबादा मे 8-8 लोक मारल गेला. अहि घटना क’ ल’ पीएम मोदी सेहो अपन’ संवेदना जाहिर केलनि .पीएम मोदी ट्वीट क’ कहलनि जे भारी बारिश आ आकाशीय बिजली गिरला सं बहुत लोकक निधनक समाचार मिलल, हुनकर परिजनक प्रति हम अपन संवेदना प्रकट करैत छी.

बिहार मे 8 जिला एहन अछि जतय कम सं कम 5 लोगक केर मृत्यु भेल अछि. ई जिला अछि गोपालगंज, पूर्वी चंपारण, सिवान, बांका, दरभंगा, भागलपुर कें अलावा मधुबनी आ नबादा.