Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Sunday, October 25, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार बिहार विधानसभा चुनाव: पहिल चरणक 71 सीट पर नामांकन,अखन धरी नहि तय...

बिहार विधानसभा चुनाव: पहिल चरणक 71 सीट पर नामांकन,अखन धरी नहि तय भेल उम्मीदवार

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरण केर 71 सीट कें लेल आइ सं नामांकन शुरू होयत। राज्यक दूटा बड़का गठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुत्थी बुधदिन देर साँझ धरी नहि सुलझल।

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरण केर 71 सीट कें लेल आइ सं नामांकन शुरू होयत। राज्यक दूटा बड़का गठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुत्थी बुधदिन देर साँझ धरी नहि सुलझल। राइत धरी सीट बंटवारा पर बैठक कें दौर जारी रहल। अहि बीच महागठबंधन कें माले झटका देलक आ 30 उम्मीदवारक सूची जारी क’ देलक। संगहि ई सेहो चेतावनी देने अछि जे अगर गठबंधन नहि भेल त’ ओ जल्द दोसर सूची जारी क’ देत। एनडीए मे जतय लोजपा कें ल’ पेच फंसल अछि, ओतय, महागठबंधन मे कांग्रेस वा राजद कें बीच सीट बंटवाराक फॉर्मूला सेहो तय नहि भ’ सकल।

पहिल चरण कें लेल आइ सं जारी होयत अधिसूचना

बिहार विधानसभा चुनाव 2020 कें प्रथम चरणक चुनाव कें अधिसूचना जारी होयत। संगहि नामांकन पत्र दाखिल करबाक प्रक्रिया शुरू होयत। उम्मीदवारक ऑनलाइन नामांकन पत्र दाखिल करबाक सेहो विकल्प अछि। संगहि पुरान तरीका सं निर्वाची पदाधिकारीक समक्ष सेहो नामांकन क’ सकता। एकरा लेल जमानत कें राशि सेहो ऑनलाइन दाखिल कयल जा सकैत अछि । नामांकन पत्र दाखिल करैत समय खालि दू व्यक्ति उपस्थिति रहत।

71 सीटक आइ अधिसूचना:
08 अक्टूबर नामांकनक अंतिम तिथि
09 अक्टूबर कें नामांकन पत्रक जांच
12 अक्टूबर तक नाम वापस ल’ सकता
28 अक्टूबर कें प्रथम चरणक होयत मतदान
16 जिलाक 71 सीटों पर वोट
भागलपुर, बांका, मुंगेर, लखीसराय, शेखपुरा, पटना, भोजपुर, बक्सर, कैमूर, रोहतास, अरवल, औरंगाबाद, गया, नवादा, जमुई, जहानाबाद

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।