बिहार विधानसभा चुनाव 2020 ल’ दोसर चरणक चुनाव 3 कें अछि, ओतय तेसर चरण कें लेल चुनाव प्रचार सेहो जोर पकैड़ लेने अछि। एकरा संगहि प्रत्याशि पर निजी हमला सेहो शुरू भ’ गेल अछि । अहि निजी हमला मे सभ’ बड़का दल कें नेता सेहो शामिल अछि। अहि बीच आब एनडीए कें सहयोगी हम रामविलास पासवान कें निधन पर सवालिया निशान लगबैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें पत्र लिखने अछि। पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केर पार्टी हम अहि पत्र मे केंद्रीय मंत्री आ लोजपा कें संस्थापक रामविलास पासवान कें मृत्युक न्यायिक जांचक मांग केलनि। हिन्दुस्तानी आवाम मोर्चा (हम) कें राष्ट्रीय प्रवक्ता डॉ दानिश रिजवान ने ई पत्र लिख क’ बहुत सवाल उठबैत चिराग पासवान कें घेरबाक प्रयास केलनि।
अहि चिट्ठी मे लिखलनि जे देशक बड़का नेता आ अहाँके मंत्रिमंडलक सदस्य रहला रामविलास पासवान जी किछु दिन पूर्व हमरा सबके छोड़ी क’ स्वर्ग सिधार गेला, हुनक निधन सं पूरा देश मे शोकक लहर अछि। आइ सेहो हमरा एहन हुनक प्रशंसक हुनका याद क’ दुखी भ’ जायत अछि। मुदा पूरा देशक दुख सं अलग लोक जनशक्ति पार्टी कें राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान हुनक अंतिम संस्कारक दोसर दिन एकटा शूटिंग कें दौरान नहि खालि हंसेत दिखाई देलैथ, कट-टू-कट शूटिंगक सेहो बात करैत रहला। अहिसँ स्व राम विलास पासवान जी कें प्रशंसक एवं परिजनक बीच बहुत तरहक सवाल उठय लागल अछि।
चिट्ठी मे लिखलनि जे महोदय राम विलास पासवान कें निधन सं जुड़ल बहुत एहन सवाल अछि जे अपने आप मे चिराग पासवान कें कटघड़ा मे ठार करैत अछि। कोनो केंद्रीय मंत्री कें अस्पताल मे भर्ती रहय कें दौरान आखिर ककरा कहला पर अस्पताल प्रशासन स्व रामविालास पासवान जी कें मेडिकल बुलेटिन जारी नहि केलक?
पत्रक माध्यम सं प्रधानमंत्री मोदी सं स्व राम विलास पासवान कें निधन केर न्यायिक जांच करेबाक आदेश देबाक आग्रह कयल गेल अछि।