Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार बिहार विधानसभा चुनाव : डाक कें झंझट खत्म, सर्विस वोटर कें मोबाइल...

बिहार विधानसभा चुनाव : डाक कें झंझट खत्म, सर्विस वोटर कें मोबाइल पर भेटत बैलेट

बिहारक डेढ़ लाख सं बेसी सर्विस वोटर कें लेल चुनाव आयोग मतदानक नबका व्यवस्था मे जुटल अछि। एकरा लेल इलेक्ट्रॉनिकली ट्रांसमिटेड पोस्टल बैलेट मैनेजमेंट सिस्टम केर शुरुआत कयल जा रहल अछि।

बिहारक डेढ़ लाख सं बेसी सर्विस वोटर कें लेल चुनाव आयोग मतदानक नबका व्यवस्था मे जुटल अछि। एकरा लेल इलेक्ट्रॉनिकली ट्रांसमिटेड पोस्टल बैलेट मैनेजमेंट सिस्टम केर शुरुआत कयल जा रहल अछि। रजिस्टर्ड सर्विस वोटर कें हुनक बैलेट पेपर मनचाहल स्थान पर मोबाइल एप कें माध्यम सं भेट जायत। ओ ओतय बैलेट प्रिंट करओता। फेर मनपसंद प्रत्याशी कें वोट द’ क’ बैलेट निर्वाची पदाधिकारी कें भेज सकैत छथि। अलग-अलग विधानसभा क्षेत्रक सर्विस वोटर कें मतदान कें लेल आब डाक विभाग सं बैलेट भेटबाक इंतजार नहि करय परत।

सूबे मे अखन 160422 सर्विस वोटर चिह्नित अछि। एकरा आयोग ईटीपीबीएस कें तहत रजिस्टर्ड करत आ हुनक बैलेट पेपर ऑनलाइन मोबाइल कें माध्यम सं उपलब्ध कराओत। पूर्व मे सर्विस वोटर कें डाक विभाग सं बैलेट भेटय मे देर होयत छल। नाम-पता मे त्रुटि सं कखनो त’ वोटर कें बैलेट पेपर धरी नहि भेटत छल।

ऑनलाइन वोटिंगक दिशा मे पहिल कदम
ई अखन कहनाइ जल्दबाजी होयत जे चुनाव आयेाग ऑनलाइन वोटिंगक तैयारी क’ रहल अछि, मुदा जानकार अहि दिशा मे बढ़ाओल गेल पहिल कदम बता रहल छथि। छोट स्तर पर सर्विस वोटर कें लेल ई सुविधा लागू भेलाक बाद भविष्य मे एकर दायरा बढ़ाओल जा सकैत अछि। अखन चुनाव आयोगक सहायक आयुक्त सक्षम कुमार अहि संबंध मे राज्य निर्वाचन विभाग सं फीडबैक मांगने छथि। ओ मोबाइल कें माध्यम सं पोस्टल बैलेट कें उपयोगक प्रक्रिया तय करैत कहलनि जे अहिमे कोनो सुधार आ संशोधनक गुंजाइश होय त’ जल्द चुनाव आयोग कें अवगत कराबि। जाहिसँ चुनाव सं पहिने एकर प्रक्रिया दुरुस्त क’ लेल जाय।

सूबे मे जिलावार सर्विस वोटर
पश्चिम चंपारण 3034, पूर्वी चंपारण 4353, शिवहर 178, सीतामढ़ी 2335,मधुबनी 3356, सुपौल 1180, अररिया 885,किशनगंज 158, पूर्णिया 1091, कटिहार 1739, मधेपुरा 1210, सहरसा 1740, दरभंगा 2218, मुजफ्फरपुर 4959, गोपालगंज 2265, सीवान 7121, सारण 10768, वैशाली 6318, समस्तीपुर 3902, बेगूसराय 4086, खगड़िया 2970, भागलपुर 6241, बांका 1909, मुंगेर 5364, लखीसराय 2522, शेखपुरा 889, नालंदा 5215, पटना 12462, भोजपुर 17435, बक्सर 8634, कैमूर 2856, रोहतास 7409, अरवल 2616, जहानाबाद 4487, औरंगाबाद 3967, गया 7788 नवादा 3307 वा जमुई 1455

साल दर साल सूबे मे एना बढ़ल सर्विस वोटर
वर्ष        सर्विस वोटर
2009     47430
2010     56599
2011     58671
2012     64249
2013     67859
2014     72806
2015     78079
2016     92195
2017     104262
2019     132059
2020     160422

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।