बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।

0
171

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि। आई पहिल चरण कें लेल चुनाव प्रचार सेहो रुकी जायत। वोट देबाक लेल पहिल शर्त ई अछि जे अहाँके नाम वोटर लिस्‍ट (Voter List) में दर्ज होय। वोटर कें लेल ई ज्ञान जरूरी अछि जे वोटक प्रक्रिया केना होयत अछि। पहिल बेर वोट देबय जा रहल युवा मतदाता (First Time Young Voters) कें लेल ई जानकारी बहुत जरूरी अछि।

मतदान केंद्र पर वोट डलबाक पहिल प्रक्रिया

मतदानक दिन मतदान केंद्र गेला पर मतदान अधिकारी मतदाता सूची मे अहाँके नाम देखि क’ नामक आइडी प्रूफ सं मिलओता। एकरा बाद दोसर मतदान अधिकारी अहाँके फिंगर मे निशान लगा क’ एकटा पर्ची दैत आ एकटा रजिस्‍टर पर हस्‍ताक्षर करोओता। एकरा बाद तेसर मतदान अधिकारी कें पास अहाँके ओहि पर्ची कें जमा कराबय परत। ओ अहाँक स्‍याही लागल फिंगर देखलाक बाद मतदान कें लेल अनुमति देता।

कोना करी ईवीएम वा वीवीपैट सं वोट

नियत स्‍थान पर इलेक्‍ट्रॉनिक वोटिंग मशीन (EVM) राखल होयत, जतय अहाँके जाय परत। ओतय अहाँ अपन पसंद कें उम्‍मीदवार कें चुनाव चिह्न कें सामने ईवीएम कें बटन दाबी क’ अपन वोट देता। बटन दबोला पर बीपक आवाज सुनाई परत। एकरा बाद वीवी पैट मशीन (VVPAT) कें पारदर्शी विंडो मे सात सेकेंड धरी उम्‍मीदवार कें सीरियल नंबर, नाम आ सिंबल संगहि पर्ची दिखाई दैत। ओकर जांच क’ ली।

उम्‍मीदवार पसंद नहि त’ दबाउ नोटा कें बटन

ई त’ भेल पसंद कें उम्‍मीदवार कें वोट देबाक बात। मुदा कही अहाँ कोनो उम्‍मीदवार कें पसंद नहि करैत छी त’ अहाँ नोटा (NOTA) कें बटन दबा साकेत छी। ई ईवीएम पर अंतिम बटन होयत अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here