Bihar Election 2020: अहि बेर 10 हजार सं बेसी बूथ सं होयत मतदान कें लाइव प्रसारण

बिहार मे विधानसभा, शिक्षक आ स्नातक क्षेत्रक निर्वाचनक निगरानी कें लेल करीब 10 हजार 400 बूथक लाइव प्रसारण कयल जायत । एकर अलावा मतगणना कें दौरान विधानसभाक 3788 टेबलक सेहो लाइव टेलीकास्ट होयत।

0
363

बिहार मे विधानसभा, शिक्षक आ स्नातक क्षेत्रक निर्वाचनक निगरानी कें लेल करीब 10 हजार 400 बूथक लाइव प्रसारण कयल जायत । एकर अलावा मतगणना कें दौरान विधानसभाक 3788 टेबलक सेहो लाइव टेलीकास्ट होयत। विधानसभा चुनाव मे मतगणना एजेंट लाइव स्ट्रीमिंग सं गिनतीक निगरानी करत। चुनाव आयोग अहि प्रसारक जिम्मेवारी नेशनल इन्फॉर्मेटिक्स सेंटर सर्विस कें देल गेल अछि। एकरा लेल 9.15 करोड़क करार भेल अछि।

विधानसभा चुनाव मे राज्यक करीब 1.06 लाख बूथ मे सं 10 फीसदी पर मतदानक लाइव प्रसारण कयल जायत। ई प्रसारण जिला आ राज्य नियंत्रण कक्ष मे सेहो होयत, जाहिसँ चुनावक दिन तमाम गतिविधि पर नजर राखल जा सकत। जाहि बूथक लाइव प्रसारण कयल जायत, ओकर चयन जिलास्तर पर भ’ गेल अछि आ ओतय नेशनल इन्फॉर्मेटिक्स सेंटर सर्विस उपकरण लगाओल जा रहल अछि।

एकर अलावा शिक्षक आ स्नातक निर्वाचन क्षेत्रक चुनाव कें दौरान बूथक लाइव प्रसारण कयल जायत। चुनाव आयोग तय केने अछि जे शिक्षक निर्वाचन कें लेल राज्यक सौ मतदान केंद्र आ स्नातक निर्वाचन कें दौरान राज्यक 300 बूथक लाइव प्रसारण कयल जायत।

मतगणना कें 3788 टेबल कें सेहो लाइव स्ट्रीमिंग
चुनाव आयोग कोविड-19 कें देखैत विधानसभा चुनावक मतगणना पर सेहो ऑनलाइन नजर रखबाक निर्णय लेने अछि। सभ’ 243 विधानसभा क्षेत्रक लेल 16-16 टेबल मतगणना कें लेल लगाओल जायत। अहि तरहे कुल 3788 मतगणना टेबलक लाइव स्ट्रीमिंग कयल जायत। लाइव स्ट्रीमिंग कें माध्यम एकदम स्पष्ट प्रसारण होयत, जाहिसँ सभ’ प्रत्याशिक मतगणना एजेंट गिनती साफ-साफ देखल जा सकत आ ओहिपर अपन दावा-आपत्ति जाहिर क’ सकैत अछि। अहि तरहे स्नातक आ शिक्षक निर्वाचन कें लेल लगय वला मतगणना टेबल कें सेहो लाइव स्ट्रीमिंग कयल जायत। जिला कें आदेश देल गेल अछि जे ओ लाइव वेबकास्टिंग कें लेल चुनल गेल बूथक सूची एनआईसी कें सौंप देल जाय।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू