बिहार मे बाढ़ि सं हाहाकार मचाल अछि। राज्यक उत्तरी हिस्साक 10 जिला पूर्ण रूप सं प्रभावित भेल अछि। जनजीवन अस्त-व्यस्त भ’ गेल अछि, परन्तु अहि मुश्किलक बीच सेहो उम्मीदक किरण देखबाक मिलल। बाढ़िक कठिनाइ मे फंसल एकटा परिवार मे जिंदगीक आहट सं खुशिक सैलाब आबि गेल अछि। बिहारक पूर्वी चंपारण (मोतिहारी) मे बाढ़िक बीच फंसल एक महिला एनडीआरएफ कें नाव पर बच्ची क’ जन्म देलनि।

न्यूज एजेंसी एएनआई कें ट्वीट मुताबिक, बाढ़ प्रभावित पूर्वी चंपारण जिला मे एक 25 वर्षीय महिला नेशनल डिजास्टर रिस्पॉन्स फोर्स (एनडीआरएफ) कें नाव पर रैबदिन एक बच्ची क’ जन्म देलनि। एकरा बाद एनडीआरएफ कर्मी दुनू क’ एम्बुलेंस मे बाइसा क’ पासक एकटा प्राइमरी हेल्थ सेंटर ल’ गेल। ओतय मौजूद स्वास्थ्य कर्मि दुनू कें प्राथमिक उपचार आ जांच केलनि। कहल जा रहल अछि जे मां आ बच्ची दुनू कें हालत स्थिर अछि।

बाढ़ि सं बिहार मे 11 लाख लोक प्रभावित

कही दी जे बिहारक 10 जिलाक 77 प्रखंड केर 577 पंचायत मे लगभग 11 लाख सं अधिक लोक बाढ़ि सं प्रभावित छैथ। ओतय अखन धरि करीब 10 लोक केर बाढ़िक कारण मृत्यु भ’ गेल अछि। राज्य सरकार केर ओर सं प्रभावित कें लेल राहत आ बचाव कार्य निरंतर चलाओल जा रहल अछि। हेलीकॉप्टर कें माध्यम सं बाढ़ि पीड़ितक फूड पैकेट्स पहुंचाओल जा रहल अछि। दरभंगा आ मोतिहारी जिलाक बहुत गांव मे जतय आवागमन मे दिक्कत भ’ रह अछि, ओतय हेलीकॉप्टर केर मदद सं फूड पैकेट्स देल जा रहल अछि।

आपदा प्रबंधन विभाग कें अपर सचिव रामचंद्रुडु कहलनि जे एनडीआरएफ आ एसडीआरएफ केर टीम सभ’ प्रभावित इलाका मे तैनात अछि आ लोक क’ सुरक्षित जगह पर पहुंचा रहल अछि। राज्यक विभिन्न जिला मे 422 सामुदायिक किचेन चलाओल जा रहल अछि, जतय पर एक लाख 15 हजार बाढ़ि पीड़ित प्रतिदिन भोजन क’ रहल’ अछि।