कोरोना संकट रुकबाक नाम नै ल’ रहल अछि। महामारी लगातार बढ़ैत जा रहल अछि। सब लोक परेशान अछि। किर्गिस्तान मे एकटा बिहारी छात्रक मृत्यु कें बाद ओतय मौजूद अन्य बिहारी छात्र मे दहशत अछि। छात्र घर लौटबाक लेल बिहार सरकार सं बेर-बेर गुहार लगा रहल अछि।

पिछला बहुत दिन सं किर्गिस्तान मे मेडिकल केर पढ़ाइ क’ रहल छात्र बिहार सरकार सं गुहार लगा रहल अछि। एशियन मेडिकल कॉलेज सहित बहुत अन्य कॉलेज में बिहार के अलग-अलग जिला कें लगभग 2000 छात्र मेडिकल कें पढ़ाइ क’ रहल छथि। छात्रक कहनाइ अछि जे कोरोना कें कारण स्थिति लगातार खराब भ’ रहल अछि। किर्गिस्तान सरकार छात्र क’ घर जेबाक निर्देश द’ देने अछि।

किर्गिस्तान सं भारत कें दूसर राज्य कें लेल वंदे भारत मिशन केर फ्लाइट चैल रहल अछि , परन्तु बिहार कें लेल नै चैल रहल अछि। एना मे छात्र क’ बिहार आबय मे बहुत परेशानी भ’ रहल अछि। किछू प्राइवेट उड़ान फ्लाइट उड़ान भैर रहल अछि, परन्तु ओकर किराया ओते महंगा अछि जे छात्र मजबूर भ’ जा रहल अछि। 10 जुलाई क’ सीवान कें एकटा छात्र केर मौत कोरोना कें कारण भ’ गेल। छात्र कें नाम पवन कुमार गुप्ता अछि आ ओ एमबीबीएस कें द्वितीय वर्षक छात्र छला । कोरोना सं भेल अहि मृत्यु कें कारण छात्र मे काफी दहशत अछि। छात्र बिहार कें डीजीपी, सीवान कें सांसद सं पीएमओ धरि गुहार लगा चुकल छथि। सीवान केर सांसद कविता सिंह सेहो छात्र क’ बिहार बजेबाक मांग केलनि अछि।