नेपाल मे बारिश रफ्तार पकड़लक त’ रैबदिन क’ सूबे कें सभ’ प्रमुख नदि अहि साल कें अपन सर्वोच्च स्तर पर रहल। दोसटा नदि कें जलस्तर खतरा कें निशान सं ऊपर अछि। कोसी सुपौल, सहरसा, खगड़िया आ भागलपुर मे, बागमती सीतामढ़ी कें ढेंग, सोनाखान, डुब्बाधार, चंदौती आ मुजफ्फरपुर कें बेनिबाद मे खतरा कें निशान कें ऊपर अछि। कमला बलान मधुबनी कें जयनगर आ झंझारपुर मे, ललबकिया पूर्वी चंपारण कें गोवाबाड़ी मे, अधवारा सीतामढ़ी कें सुन्दरपुर मे, महानंदा पूर्णिया, कटिहार आ किशनगंज मे, घाघरा सीवान मे लाल निशान कें ऊपर अछि।

पटना मे लगातार चैढ़ रहल गंगा कें जलस्तर
गंगा कें जलस्तर तेजी सं बैढ़ रहल अछि। पटना मे सेहो लगातार बैढ़ रहल अछि। अखन पटना मे ई खतरा कें निशान सं 1.58 सेंटीमीटर नीचा अछि, सोमदिनक भोर धरि ई डेढ़ मीटर नीचा रहि जायत। दीघा मे गंगा खतरा कें निशान सं 2.51 मीटर नीचा छल, जखन गांधीघाट पर 1.58 मीटर आ हाथीदह मे 1.89 मीटर नीचा छल।

शिवहर मे तटबंध टूटल, एनएच पर सेहो चढ़ल पाइनशिवहर कें बेलवा मे डैम निर्माण कार्य क’ ल’ बनाओल गेल सुरक्षात्मक तटबंध ध्वस्त
सीतामढ़ी सं सुरसंड कें बीच एनएच पर चढ़ल बाढ़क पाइन
दरभंगा मे पांच प्रखंड कें बहुत गांव मे बाढ़क पाइन घुसल, फसल डूब गेल अछि।
सुपौल मे 6 प्रखंड कें 100 सं अधिक गांव मे फैलल पाइन।
उत्तर बिहार मे 24 घंटे मे भारी बारिश कें अलर्ट

उत्तर बिहार कें तराइ वला जिला कें बेसि भाग मे रैबदिन क’ सेहो भारी सं भारी बारिश भेल। मौसम विज्ञान केंद्रक वैज्ञानिक दिनेश कुमार भारती बतओलनि जे 24 घंटा मे बहुत जिला मे भारी बारिश आ वज्रपातक संभावना अछि। पटना मे हल्का सं मध्यम बारिश होयत।