भुवनेश्वर कुमार बनि सकैत छथि टीम इंडियाके कप्तान, श्रीलंका दौरा पर भेटतनि कमान?

0
704

India Tour of Sri Lanka: श्रीलंका दौरा पर टीम इंडियाके ‘बी’ टीम जाय वला अछि. अहि सीरीजमे विराट कोहली, रोहित शर्मा जेहेन दिग्गज खिलाड़ी नहि खेल रहल छथि, किएक की ओ जुलाईमे इंग्लैंड दौरा पर रहताह. एहेनमे श्रीलंकाके खिलाफ वनडे आओर टी20 सीरीजमे टीमक कमान के सम्हारताह इ देखय वला बात होयत।

नई दिल्ली. भारतीय क्रिकेट टीम जुलाईमे श्रीलंका दौरा पर जाय वला अछि. अहि दौरामे टीम इंडिया 3 वनडे आओर 3 टी20 मैच खेलत. विशेष बात इ अछि जे की अहि दौरा पर टीम इंडियाके ‘बी’ टीम जायत. विराट कोहली, रोहित शर्मा, जसप्रीत बुमराह संगहि अनेको खिलाड़ी जुलाईमे इंग्लैंड दौरा पर रहत एहिलेल बीसीसीआई बेंच स्ट्रेंथके श्रीलंका दौरा पर आजमाएत. आब सवाल इ छै जे की श्रीलंका दौरा पर टीम इंडियाके कमान के सम्हारताह? टीम इंडियाक पहिलुका विकेटकीपर दीप दासगुप्ताके माननाइ छन्हि कि कप्तानीके लेल शिखर धवन रेसमे छथि. मुदा दीप दासगुप्ता कप्तानीके रेसमे भुवनेश्वर कुमारके सेहो आगू बतौलनि।

दीप दासगुप्ता एकटा इंटरव्यूमे कहलनि विराट कोहली आओर रोहित शर्माके अभावमे शिखर धवन टीमके सभसँ सीनियर खिलाड़ी हेताह एहिलेल हुनके टीमके नेतृत्व करवाक चहियनि. मुदा दासगुप्ता इहो कहलनि भुवनेश्वर कुमार फिट रहलाह सँ टीमके कमान सम्हारय लेल उपयुक्त छथि.

भुवनेश्वर कुमार बनताह कप्तान?

स्पोर्ट्स टुडे सँ विशेष बातचीतमे दीप दासगुप्ता संभावित कप्तान सभ पर अपन विचार देलनि. दीप दासगुप्ता कहलनि, ‘एकदम विराट कोहली आओर रोहित शर्मा उपलब्ध नहि छथि. केएल राहुल सेहो एतय नहि रहताह तो एहेनमे जे सभसँ सीनियर खिलाड़ी हेताह हुनका कप्तानी सम्हारयके चाही, जे की शिखर धवन छथि. मुदा इहो नहि बिसरबाक गलती नहि करवाक चाही जे जँ भुवनेश्वर कुमार फिट हेताह तँ ओ सेहो कप्तानीके नीक दावेदार छथि.’

दीप दासगुप्ता भुवनेश्वर कुमारके इंग्लैंड दौराके लेल टीममे नहि चुनल गेला पर सेहो अपन प्रतिक्रिया देलनि. दासगुप्ता कहलनि, ‘हमरा कनिको हैरानी नहि भेलनि की भुवीके टीममे नहि चुनल गेलनि. टीम इंडियाके लगमे पहिले सँ 6 टा गेंदबाज छै. हम बुझैत छी जे की भुवनेश्वर कुमार इंग्लैंडके हालातिमे खतरनाक साबित होयताह मुदा ओ दो-ढाई साल सँ टेस्ट मैच नहि खेलने छथि. आओर हुनका चोटके सेहो समस्या रहल छन्हि।