प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रामनगरी अयोध्या मे पांच अगस्त कें इतिहास रचलनि। ओ लखनपुरी अर्थात लखनऊ सं रामनगरी अयोध्या पहुंचला। रामलला कें लेल खास भेट लाबय वला नरेंद्र मोदी देशक एहन पहिल प्रधानमंत्री बनला जे रामनगरी मे हनुमानगढ़ी मंदिर कें संगे रामलला कें दर्शन केलनि।

अयोध्या मे रामलला कें मंदिर मे दंडवत होबय वला पीएम नरेंद्र मोदी रामजन्मभूमि प्रांगण मे भव्य राम मंदिर केर आधारशिला रखलाक बाद भूमि पूजन कें दौरान निकलल मइट कें अपन माथ पर सेहो लगेलैथ। पीएम मोदी अयोध्या मे राम मंदिर निर्माण कें लेल भूमि पूजना केलनि। अहि सं पहिने पीएम मोदी हनुमान गढ़ी मे भगवान हनुमान आ रामलला मंदिर प्रांगण मे भगवान श्रीराम कें दर्शन केलनि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अयोध्या मे 28 वर्ष बाद पहुंचला । ओतय श्रीराम जन्मभूमि जाय वला देशक पहिल प्रधानमंत्री छथि। ई देश मे पहिल अवसर अछि जखन कोनो प्रधानमंत्री अयोध्याक हनुमानगढ़ी कें दर्शन केने अछि। एकरा संगे देशक सांस्कृतिक धरोहर कें संरक्षणक प्रतीक कोनो मंदिर कें शुभारंभ कार्यक्रम मे शामिल होबय वला पहिल प्रधानमंत्री कें तौर पर सेहो नरेंद्र मोदी कें नाम दर्ज भ’ गेल अछि। अहि सभ’ कें ओ प्रण केने छला आ अपन संकल्प पूरा केलैथ।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 28 वर्ष पहिने 1992 मे पहिल बेर अयोध्या गेल छला। ओहि समय ओ भाजपाक तत्कालीन अध्यक्ष डॉ. मुरली मनोहर जोशी कें नेतृत्व मे निकलल तिरंगा यात्रा मे शामिल छला आ डॉ. जोशी कें सहयोगीक तौर पर भगवान राम केर नगरी पहुंचल छला।

ई यात्रा कश्मीर सं अनुच्छेद 370 हटेबाक लेल भाजपा निकालने छल। कश्मीर सं अनुच्छेद 370 हटलाक एक वर्ष बाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रामनगरी अयोध्या पहुंचला आ श्रीराम मंदिर निर्माण कें भूमि पूजन करय संगे आधारशिला रखलनि । अहि क्रम मे ओ राम मंदिर पर ओतय एकटा डाक टिकट सेहो जारी केलनि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु