अनलॉक-4 मे सरकार केलक बड़का घोषणा, चलत 100 सं बेसी स्पेशल ट्रेन

0
780
announcement-of-indian-railways-unlock-4

अनलॉक-4 मे अर्थव्यवस्था कें आओर बेसी खोलल जा रहल अछि। आर्थिक गतिविधि तेज भेने श्रमिक लोकनिक मांग बढ़ल अछि। औद्योगिक शहर सब लेल जावत आवाजाही केर सुविधा नै हेतै, व्यावसायिक गतिविधि सामान्य नै भ’ सकैत अछि। एकरा ध्यान मे रखैत सरकार डेग उठौलक अछि। भारतीय रेलवे 100 सं बेसी स्पेशल ट्रेन चलेबाक विचार कएलक अछि।

रेल मंत्रालय प्रवक्ता कहलनि अछि जे यात्री लोकनिक सुविधा लेल एहन जरूरी प्रयास भ’ रहल अछि। फिलहाल एक राज्य सं दोसर राज्य लेल ट्रेन परिचालन वास्ते संबंधित अधिकारी लोकनि सं सम्पर्क कएल जा रहल अछि। राज्य जतेक जल्दी मंजूरी देत, ट्रेनक लिस्ट जारी क’ देल जाएत। हालांकि प्रवक्ता ट्रेनक संख्या केर पुष्टि नै केलनि अछि।

ज्ञात हो जे रेलवे एखन 230 विशेष ट्रेन केर परिचालन क’ रहल अछि। मुदा औद्योगिक शहर सब लेल श्रमिक लोकनिक बढ़ैत मांग सं ट्रेन सब मे टिकट केर वेटिंग चलि रहल अछि। बिहार, बंगाल, ओडिशा, झारखंड आ पूर्वी उत्तर प्रदेश सं महाराष्ट्र, गुजरात, दिल्ली आ अन्य औद्योगिक शहर दिस जेबाक लेल उपलब्ध सब ट्रेन मे स्लीपर आ एसी 3 केर टिकट सितंबर धरि फुल अछि।

कोरोना महामारी कारण सं 25 मार्च सं ट्रेन केर परिचालन बंद क’ देल गेल छल। एखनो नियमित ट्रेन सेवा ठप्प अछि। फिलहाल 230 ट्रेन सहित 30 राजधानी सन ट्रेन केर परिचालन कएल जा रहल अछि। पछिला सप्ताह केंद्र सरकार अनलॉक-4 लेल जारी दिशानिर्देश जारी क’ किछु रियायत सेहो देलक अछि। जाहि मे मेट्रो ट्रेन सेवा शुरू करब सेहो शामिल अछि।

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू