चीन सं शुरू भेल कोरोना वायरस अमेरिका मे कहर बरपा रहल अछि. ई घातक बीमारीक कारण सं अमेरिका मे 25000 सं अधिक लोकक मृत्यु भ’ चुकल अछि. कोरोना वायरस कें बढ़’ सं रोकय मे विश्व स्वास्थ्य संगठन (WHO) केर भूमिका सं अमेरिका खफा अछि. अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप WHO पर चीनक तरफदारी करबाक आरोप लगबैत फंडिंग रोकबाक धमकी देने छलाह.

आब अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रंप WHO कें फंडिंग रोकबाक ऐलान क’ देलनि अछि. ओ घोषणा करैत WHO पर कोरोनाक गंभीरता कें नजरअंदाज करबाक आरोप लगओलनि, कहलनि जे WHO केर उदासीनता सं ई बीमारी पूरा दुनिया मे अपने पांव पसारि लेलक. अमेरिकी राष्ट्रपति पत्रकार सब सं बात करैत कहलनि जे कोरोना वायरस फैलबाक बात छिपाबय और कुप्रबंधन मे विश्व स्वास्थ्य संगठनक भूमिका केर समीक्षा कयल जा रहल अछि.

ट्रंप कहलनि जे संगठन कोरोनाक महामारी कें ल’ पारदर्शिता नहि रखने छल. अमेरिका पिछला साल 400 मिलियन अमेरिकी डॉलर देने छल. ट्रंप कहलनि जे आब हम विचार करब जे ओहि टाकाक की कएल जाय, जे संयुक्त राष्ट्र संघ कें देल जाइ छल. अमेरिकी राष्ट्रपति कोरोना वायरस कें ल’ चिंता जतओलनि.