Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Sunday, October 25, 2020
मुख्यपृष्ठ धर्म तथा विज्ञान सरकार अमरनाथ यात्रा कें ल’ कन्फ्यूज, जारी होएत नव सूचना

सरकार अमरनाथ यात्रा कें ल’ कन्फ्यूज, जारी होएत नव सूचना

अमरनाथ श्राइन बोर्ड कोरोनावायरस चलते एहि साल 23 जून सं शुरू होमएबला यात्रा रद्द करबाक फैसला लेलक मुदा कनिए कालक प्रशासन फैसला पलटि देलक अछि. जम्मू कश्मीर सूचना निदेशालय प्रेस विज्ञप्ति कें वापस ल’ लेलक. एखन किछु पूर्ण स्पष्ट नै अछि मुदा जल्द प्रशासन दिस सं नव सूचना जारी कएल जाएत.

एहि सं पहिने प्रशासन अमरनाथ यात्रा रद्द करबाक फैसला लेने छल. बुधदिन राजभवन मे बैठक केलाक बाद श्राइन बोर्ड ई फैसला लेने छल. एहि सं पहिने यात्रा कतेको बेर अन्यान्य कारण सं बाधित जरूर भेल अछि मुदा पूर्ण रूप सं कहियो रोक नै लगाओल गेल छल.

उपराज्यपाल, गिरीश चंद्र मुर्मू कहलनि जे कश्मीर घाटी मे 77 रेड जोन क्षेत्र अछि जतय सं होइत यात्रा मार्ग जाइत अछि. एहि महामारी सं लंगर केर स्थापना,, चिकित्सा सुविधा, शिविर, स्थापना, सामग्री जुटाएब,, हिम निकासी आदि संभव नै छै. ओ आगां जोर द’ कहने छलाह जे एखन भारत सरकार 3 मइ धरि देशव्यापी लॉकडाउन केने अछि मुदा ई बूझब आवश्यक जे ई स्थिति आगामी समय मे केहन होएत. यात्री लोकनिक सुरक्षा हमर सभक प्राथमिकता अछि.

ओ कहैत छथि जे बोर्ड सर्वसम्मति सं निर्णय लेलक जे दुनिया मे व्याप्त महामारी केर स्थिति कें देखैत ई यात्रा साल 2020 मे आयोजित करब विवेकपूर्ण नहि होएत. बोर्ड द्वारा इहो निर्णय लेल गेल जे प्रथम पूजा आ सम्पन्न पूजा पारंपरिक उत्साह संग कएल जाएत.

इहो तय भेल जे बोर्ड शिवलिंग केर पूजा आ दर्शन कें ऑनलाइन प्रसारित करबाक आ दुनिया भरिक लाखो भक्त लोकनिक लेल अन्य मीडिया माध्यम सं एकर संभावना ताकत.

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।