भारत मे बैन कें बाद टिकटॉक केर सफाई- चीन समेत कोनो दूसर देश संग साझा नै करैत छी यूजर कें डाटा

0
77

केंद्र सरकार कें आदेश कें बाद गूगल प्ले आ एप्पल स्टोर सं टिकटॉक क’ हटा गेल अछि। टिकटॉक ओहि 59 चाइनीज ऐप मे शामिल अछि, जकरा भारत मे बैन क’ देल गेल अछि। अहि मामले पर टिकटॉक बयान जारी करैत कहलाक, जे हम कोनो भी देश कें संग कोनो भ’ यूजर कें डाटा शेयर नै करैत छी। चाहे ओ चीन ही कियाक नै होय।

टिकटॉक इंडिया कें हेड निखिल गांधी कहलनि, ‘भारत सरकार टिकटॉक सहित कुल 59 ऐप क’ बैन करबाक लेल लिए अंतरिम आदेश जारी केने अछि। हम सरकार कें आदेशक पालन क’ रहल छी। हमरा सबकेँ अपन स्पष्टीकरण देबाक लेल संबंधित सरकारी अधिकारि कें संग मिलबाक लेल आमंत्रित कयल गेल अछि। टिकटॉक भारत कें कानून कें मुताबिक यूजर केर गोपनीयता आ सुरक्षा कें लेल प्रतिबद्ध अछि।’

ओ कहलनि, ‘टिकटॉक यूजर कें कोनो भी तरहक जानकारी कोनो भी अन्य देश कें सरकार कें संग साझा नै करैत अछि , चाहे ओ चीन कियाक नै होय। आगा सेहो अगर हमरासँ कोनो यूजर केर जानकारी मांगल जायत, त’ हम एहन नै करब। हम यूजर केर गोपनीयता आ अखंडता क’ सर्वाधिक महत्व दैत छी।’

निखिल गांधी कें मुताबिक, टिकटॉक लोकतांत्रिक व्यवस्था कें तहत 14 भारतीय भाषा मे सेवा दैत अछि। टिकटॉक कें भारत मे करीब 10 करोड़ उपभोक्ता अछि। अहिमे कलाकार, कहानीकार, शिक्षाविद जेहन लोक शामिल अछि।