दुनिया भरि मे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग ऐप जूम मे यूजर डेटाक सुरक्षा कें ल’  काफी बवाल मचल अछि। हालहि मे भारतक गृह मंत्रालय सेहो अहि ऐप लेल एडवाइजरी जारी केने छल, जाहि मे सरकारी काजक लेल अहि ऐप केर’ प्रयोग नै करबाक सलाह देल गेल अछि। एही बीच एकटा न्यूज पोर्टल दावा केलक अछि जे भारत सरकार ‘जूम’ ऐपक विकल्प केर तौर पर वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग ऐप ‘नमस्ते’ ल’ क’ आबि गेल अछि, जकर बीटा वर्जन लॉन्च क’ देल गेल अछि।

भारत सरकार दिस सं प्रेस इंफॉर्मेशन ब्यूरो अहि न्यूज पोर्टलक खबरि कें फेक कहल गेल अछि। पीआईबी  फैक्ट चेक केर ट्विटर हैंडल सं’  लिखल गेल जे सरकार ने कोनो वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग ऐप लॉन्च केलक आ ने एहन कोनो ऐप कें प्रचारित करैत अछि।