बिहार मे स्वास्थ्य विभागक निदेशक, भाजपा नेता समेत 10 केर मृत्यु

बिहारक निदेशक प्रमुख, स्वास्थ सेवा डाॅ. उमेश्वर प्रसाद वर्मा, शेखपुरा कें भाजपाक अति पिछड़ा प्रकोष्ठ कें जिलाध्यक्ष अजय चंद्रवंशी समेत 10 मरीजक मंगलदिन काेराेना सं मृत्यु भ' गेल।

0
266

बिहारक निदेशक प्रमुख, स्वास्थ सेवा डाॅ. उमेश्वर प्रसाद वर्मा, शेखपुरा कें भाजपाक अति पिछड़ा प्रकोष्ठ कें जिलाध्यक्ष अजय चंद्रवंशी समेत 10 मरीजक मंगलदिन काेराेना सं मृत्यु भ’ गेल। डाॅ. वर्मा 67 साल कें छलाह। काेराेनाक लक्षण एलाक बाद ओ 28 सितंबर कें एम्स मे भर्ती कयल गेल छल। हुनक पहिने बाइपास सर्जरी सेहो भ’ चुकल छल आ ओ थाराॅयड वा अर्थराइटिस सं सेहो पीड़ित छलाह। स्वास्थ्य विभागक कोनो बड़का अधिकारीक काेराेना सं पहिल मृत्यु अछि। हुनक मृत्यु सेहो एम्स मे भेल।

राज्य मे कोरोना सैंपल केर जांचक संख्या कनि कम भेल अछि। पिछला 24 घंटे मे 144535 जांच भेल जाहिमे 1439 नबका संक्रमित भेटल। आब संक्रमितक कुल संख्या 181472 पहुंच गेल। मुदा, एक्टिव केस 12686 अछि। बिहार मे रिकवरी दर बढ़ि क’ 92.52% भ’ गेल अछि। अहिमे कुल स्वस्थ होबय वलाक संख्या 167890 पहुंच गेल अछि। मंगलदिन पटना मे सर्वाधिक 195 नबका कोरोना संक्रमित मरीज भेटल।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here