हाय रे दड़िभङ्गाके भाग्य एकदिस कादो-पानि सँ भरल बस स्टैण्ड दोसर दिस कलक्टर किछ लोकके बिहार लेल भड़िगर टैक्स असूली लेल सम्मनित कय रहल अछि।

0
390

भोर सँ सोसल साइट पर दड़िभङ्गाक बस स्टैण्डके दीन-हीन फोटो वायरल भ’ रहल अछि। बस स्टैण्ड कादो आओर पानि सँ भरल अछि। कोनो ठाम पैर देबाक जगह नञि देखा रहल अछि। मैथिल यात्रीलोकिन भगवान भरोसे दरिभङ्गा बस स्टैण्ड सँ बस पकड़ैत अछि।

बिहारके सरकारके तँ एनहुतो मगधमे सीसा वला पूल बनबय सँ फुर्सत भेटैत छै की नञि भगवान जानथि। मुदा पटना सँ नियुक्त कलक्टरके सेहो दड़िभङ्गा बस स्टैण्डके फिक्र छै अथवा नहि इहो ठीक सँ नञि कहल जा सकैछ।

साँझ होइत होइत दड़िभङ्गके कलक्टर अपन जिला कलक्टर वला फेसबुक पेज पर एकटा पोस्ट कय मैथिलक दुर्भगय पर अट्टहास अवश्य कयला।

जे लोकिन मैथिल सँ भड़िगर टैक्स असूली कय पटनाके राजकोषके भरला हुनका सभकेँ कलक्टर कहाँदनि खूब सम्मानित कयलनि। एकटा पैघ पोस्ट के जनतब देलनि जे भिन्न भिन्न डिपार्टमेंके कर्मचारी जे भड़िगर राजस्व असूली कयलनि हुनका सभकेँ प्रशस्ति पत्र देल गेलनि।

जेना लागैत अछि टैक्स असूली दड़िभङ्गा लेल नियुक्त कलक्टर अपना ऊपर लय कय रखने छथि आओर दड़िभङ्गा बस स्टैण्ड इन्दर भगवान भरोसे छोड़ने छथि। अहिमे शीत-ताप नियन्त्रित घरमे बैसि हुकुम चलाबय वला कलक्टर साहेबके कोन दोष छन्हि। इन्दर भगवान जँ वर्षा नञि करतय तँ बस स्टैण्ड पर कादो सेहो नञि होयतय।

DM दड़िभङ्गाके फेसबुक पेज सँ टैक्स कलेक्शन लेल पुरस्कार दैत छवि

हमरा इहो नञि पता अछि कलक्टर साहेब कहियो एहन बस स्टैण्ड देखने छथि की नञि जे वर्षा भेलाक बादो कादो नञि होइत होइ। कलक्टर साहेब हमरा बुझल अछि जे बिहारके सरकार द्वारा नियुक्त अधिकारी जे मिथिला आबैत छथि हुनका अपन आलोचना बर्दास्त नञि होयत छै तथपि इ समादके माध्यम सँ जे हम दुस्साहस कय रहल छी तकरि कारण छै जे हम अनुमान लगबैत छी अहाँके मैथिली पढ़य आ पढ़िकय बुझय नञि आबैत होयत। जँ बुझि जाय तँ दया कय बस स्टैण्ड के स्थिति सुधारय कष्ट करी।