विधानसभा चुनाव सं पहिने बिहार मे शिक्षक कें नीतीश सरकार देलक उपहार

पंचायती राज संस्था आ नगर निकाय कें शिक्षक केर नव सेवाशर्त नियमावलीक राज्य कैबिनेटक मंजूरी भेट गेल अछि। एकरा अनुसार साढ़े तीन लाख सं बेसि शिक्षक कें कर्मचारी भविष्य निधि (ईपीएफ) कें लाभ सितंबर, 2020 सं देल जायत।

0
838

पंचायती राज संस्था आ नगर निकाय कें शिक्षक केर नव सेवाशर्त नियमावलीक राज्य कैबिनेटक मंजूरी भेट गेल अछि। एकरा अनुसार साढ़े तीन लाख सं बेसि शिक्षक कें कर्मचारी भविष्य निधि (ईपीएफ) कें लाभ सितंबर, 2020 सं देल जायत। अहि शिक्षक कें मूल वेतन मे 15 प्रतिशतक वृद्धि कयल गेल अछि, जकर लाभ एक अप्रैल, 2021 सं भेटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर अध्यक्षता मे भेल कैबिनेटक बइसार मे एकर मंजूरी भेटल। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मुख्यमंत्री गांधी मैदान सं एकर घोषणा केने छलाह।

बइसार कें बाद शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव आरके महाजन कहलनि जे ईपीएएफ मे 13 प्रतिशत हिस्सा राज्य सरकार दैत। अहिमे 12 प्रतिशत शिक्षक कें पीएफ खाता मे तथा एक प्रतिशत राशि ईपीएफओके जायत। अहि प्रकार शिक्षक सेहो 12 प्रतिशत केर अपन हिस्सेदारी देता। ओ कहलनि जे ईपीएफ कें लाभ देनाइ सेहो एक तरहक सं वेतन वृद्धि अछि। अहिमके अंतर्गत पेंशन कें लाभ सेहो भेटत। शिक्षक केर मृत्यु पर अहिमे ढाई सं छो लाख धरि कें राशि सेहो देबाक प्रावधान अछि।

ईपीएफ कें लाभ देबय पर राज्य सरकार पर सालाना 815 करोड़क अतिरिक्त बोझ परत। अहि प्रकार वेतन वृद्धि सं सालाना 1950 करोड़क अतिरिक्त बोझ आयात । कुल 2765 करोड़ अतिरिक्त खर्च होयत। ओ कहलनि जे राज्य सरकारक इच्छा छल जे शिक्षक कें वेतन वृद्धि कें लाभ अहि वित्तीय वर्ष सं देल जाय। मुदा कोरोना संक्रमणक कारण राज्य केर आर्थिक  स्थिति अखन एहन नै अछि। अहि कारण एकर लाभ अगला वित्तीय वर्ष सं देल जायत। अहि साल पहिल चाइर महीना मे राज्य सरकारक राजस्व मे 33 प्रतिशक कमी आयल अछि। माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय मे नियुक्ति मे एक साल धरि अतिथि शिक्षक कें रूप मे कार्य करय वला के मेधा अंक मे पांच अंकक वेटेज भेटत। एहन चाइर हजार शिक्षक अखन छथि। राष्ट्रीय माध्यमिक शिक्षा अभियानक तहत नियुक्त शिक्षक कें वेतन सेहो आब अन्य कें संग मे जायत, तऋकि समय पर वेतन भुगतान होय।

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू