भागल कारोबारी विजय माल्याके भारत प्रत्यर्पित करबाक विरुद्ध दायर कयल गेल याचिकाके ब्रिटेनक एकटा अदालत खारिज कय देलक। माल्या 9,000 करोड़ रुपयाक धोखाधड़ी आओर मनी लॉन्ड्रिंग मामिलामे भारतमे वांछित अछि। माल्या फरवरीमे इंग्लैंड आओर वेल्सक हाई कोर्टमे याचिका दाखिल कयने छल। कोर्ट मानलक अछि जे की माल्याके विरुद्ध भारतमे कतेको पैघ आरोप लागल छै।

रॉयल कोर्टमे लॉर्ड जस्टिस स्टीफन इविन आओर जस्टिस एलिजाबेथ लाइंगक दु सदस्यीय पीठ अहि याचिकाके खारिज कय देलक। माल्याक खिलाफ भारतमे धोखाधड़ी आओर मनी लॉन्ड्रिंगक केस चलि रहल अछि। जज लोकिन कलहथि हम इ मानैत छी जे की एडीजे अर्थात सीनियर डिस्ट्रिक्ट जज द्वारा भेटल आरोप किछ मामिलामे भारतक दिस (सीबीआई और ईडी) सँ लगायल गेल आरोप सँ बेसी व्यपाक आरोप सभ अछि, जखनि पूरा विश्व कोरोना महामारी सँ त्रस्त अछि ओहि समय संभवतः इ सुनवाई वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग सँ भेल हुए।