लालू प्रसाद यादव केर 6 साल पहिने गुरुग्राम मे चोरी भेल कार अरुणाचल प्रदेश सं बरामद

0
90

राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) अध्यक्ष आ बिहार कें पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव केर कार क’ अरुणाचल प्रदेश सं बरामद कयल गेल अछि. लालू प्रसाद यादव केर कार साल 2014 मे चोरी भ’ गेल छल.

अरुणाचल प्रदेशक पुलिस छह साल पहिने बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव कें परिजन सं चोरी कयल एकटा एसयूवी क’ जब्त कयल गेल अछि. राष्ट्रीय जनता दल अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव केर टोयोटा फॉर्च्यूनर कार पुलिस क’ आब मिल गेल अछि. पुलिस लालू प्रसाद यादव केर कार कें चोरी भेला 6 साल बाद अरुणाचल प्रदेश सं बरामद केलनि.

कैपिटल कॉम्प्लेक्स कें एसपी टुमे एमो बतओलनि अरुणाचल प्रदेश पुलिस कें माध्यम सं 26 वाहन कें सीज कयल गेल छल. ई गाड़ि सब मे लालू प्रसाद यादव सं जुड़ल टोयोटा फॉर्च्यूनर एसयूवी सेहो शामिल छल. अरुणाचल कें एकटा निवासी सं लालू प्रसाद यादव केर कार क’ जब्त कयल गेल अछि.

साल 2014 मे भेल छल चोरी

दरअसल, लालू प्रसाद यादव केर कार साल 2014 मे चोरी भ’ गेल छल. साल 2014 मे हरियाणा कें गुरुग्राम मे आईपीसी केर धारा 392/397 आ आर्म्स एक्ट कें धाराक तहत लूटक मामला दर्ज कयल गेल छल . जखन, एकरा बाद पूरा भारत मे ई कार कें बहुत लोक सब बेचल गेल अछि.

अस्पताल मे छथ भर्ती

कहि दी जे चारा घोटाला मामला मे सजायाफ्ता राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव रांची कें रिम्स मे भर्ती छथ. लालू प्रसाद यादव मधुमेह आ दिल केर बीमारी सं ग्रसित छथ. एकरा अलावा लालू प्रसाद यादव केर किडनी सेहो ठीक सं काम नै करैत अछि.