क्लोन चेक कें माध्यम सं अयोध्याक श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक खाता सं लाखों रुपया निकालल गेल अछि. अहि जालसाजीक खुलासा तखन भेल, जखन जालसाज 9 लाख 86 हजार कें तेसर क्लोन चेक लखनऊ कें बैंक ऑफ बड़ौदा मे पेमेंटकें लेल लगेलक. बड़का राशि होबाक कारण बैंक अहि बेर ट्रस्टक महासचिव चंपत राय सं कंफर्म केलक त’ ओ एहन कोनो चेक जारी करय सं मना क’ देलथि.

एकरा बाद बैंक पेमेंट रोकैत अहि पूरा मामलाक जांच शुरू क’ देने अछि. ओतय, चंपत राय अयोध्या पुलिस सं एकर शिकायत केलनि. एकरा बाद साँझ मे अयोध्या कोतवाली मे धोखाधड़ीक मुकदमा दर्ज कयल गेल. पुलिस क्षेत्राधिकारी अयोध्या राजेश राय कहलनि जे शिकायतक बाद धोखाधड़ीक मुकदमा दर्ज क’ लेल गेल अछि आ पूरा मामलक जांच कयल जा रहल अछि.

बताओल जा रहल अछि जे अहि धोखाधड़ीक शुरुआत 1 सितंबर कें ओहि समय भेल, जखन श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक खाताक एकटा क्लोन चेक लखनऊ कें एकटा बैंक मै लगाओल गेल. ई चेक ढाई लाख रुपयाक छल. छोट रकम होबय कारण अहि चेक कें वेरिफिकेशन नहि भेल आ ई राशि पास भ’ गेल. एकर दू दिन बाद अहि तरहे लखनऊ कें ओहि बैंक मे साढे तीन लाख रुपयाक एकटा आर क्लोन चेक लगाओल गेल आ ई चेक सहो पास भ’ गेल.

अहि तरहे श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक 6 लाख रुपया जालसाज सब हरैप लेलक, मुदा 9 सितंबर कें जखन लखनऊ कें बैंक ऑफ बड़ौदा ब्रांच मे 9 लाख 86 हजार रुपयाक तेसर चेक पेमेंट केंलेल लगाओल गेल त’ बड़का रकम होबाक कारण अहि बेर बैंक ट्रस्टक महासचिव चंपत राय कें कन्फर्म करबाक लेल फोन केलक.

एकरा बाद चंपत राय एहन कोनो चेक जारी करय सं मना केलनि आ एकरा बाद ओ अयोध्या पुलिस कें एकर जानकारी देलनि. अयोध्या पुलिस अहि धोखाधड़ीक मुकदमा दर्ज क ‘ लेने अछि आ जांच पड़ताल शुरू क’ देने अछि.

 

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु