एहेन कोनो दिन नहि अबैत अछि जाहि दिन मिथिलामे हत्या एहेन जघन्य अपराध नहि होयत हुए! सभ दिन मिथिलाक अनेको जिला सँ हत्या, लूट, बलात्कार, चोरी-डकैती, फसाद आदिके खराप समाद अबैत रहैत छै!

एक एक दिन मात्र मिथिला सँ 5-5 टा हत्या/हत्याक प्रयास भेल, एहेन समाद सुनि सोचबाक लेल विवश छी जे की मिथिलामे कोनो प्रशासन छै अथवा नहि। बेगूसरायके सांसद गिरिराज सिंह प्रशासनके आलोचना करैत चेतौनि देलनि, दरभंगाक पूर्व सासंद कृति आजादके सचिवके गोली मारि हत्याके प्रयास भेल।

कखनो मुजफ्फरपुर सँ समाद अबैत अछि, हत्याके तँ कखनो सहरसा मधेपुरा सँ समाद अबैत छै! इ अपराधी लोकिनके अछि? हथियार कतय सँ आयल, की सहीमे मानि लिय जे अपराधी सभकेँ बिहार पुलिस नहि चिन्हैत छथि? अथवा फेर मिथिलामे जे अपराधी अछि ताहि सँ बिहारी प्रशासन गठजोड़ कय लेने अछि?

हमर चिन्ताक किछ कारण अछि, हम इहो मानैत छी जे एना सोचबाक नहि छी, तथापि

  • मिथिलामे जखन अपराध चरम सीमा पर अछि तखनो बिहारी सत्ता सँ कोनो आवाज नहि उठि रहल अछि!
  • मुख्यमंत्री/उपमुख्यमंत्री/मंत्री लोकिन अपराध सँ पीड़ित परिवार सँ कोनो भेटघाट कय सांत्वना नहि दैत छथि!
  • दिनदहाड़े दरभंगामे हत्या होइत अछि एसपी इ कहि बचाव करैत छथि जे इ अपराधी सभक बीच आपसी गैंगवार छै!
  • जखन कोनो विशेष हो हल्ला भेल तँ मुफ्फरपुरके एसपीके समस्तीपुर आओर समस्तीपुरके पदाधिकारीके मुजफ्फरपुर ट्रांसफर कयल जायत अछि। आओर दुनु ठाम अपराध रोकयमे बिफल छलाह तै ट्रांसफर भेल।
  • मिथिलामे होमय बला अपराधक तुलना मगध सँ तुलना कयला पर मगधमे अपराध शून्य नजरि आयत!
  • कहल तँ एहेन जायत छै जे मिथिलाक लोक मारि पिट सँ दूर रहय बला होथि छथि, तँ फेर अपराधी की बाहरक अछि?
  • अथवा फेर मिथिले सँ अपराधी सेहो अछि? आओर बिहारी सत्ताक संरक्षण भेटल छै?
  • की बिहारक सत्ता पक्ष आओर विपक्ष मिल कय मिथिलाक लोकके खून सङ्ग खेल कय सत्ता प्राप्त करबाक मात्र लक्ष्य छै?

अहाँ की सोचैत छी कमेंटमे लिख सकैत छी

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु