बिहारक मधुबनी जिला मे एनएच 57 पर सोमदिन भोरे सूमो आ ट्रक कें बीच भेल भयावह टक्कर मे 4 वर्षीय मासूम सहित तीन लोक केर मृत्यु भ’ गेल। दुर्घटना मे एकटा आंगनबाड़ी सेविका गंभीर रूप सं घायल बताओल जा रहल अछि। हुनका प्राथमिक उपचार कें बाद अनुमंडलीय अस्पताल सं दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल रेफर कयल गेल अछि।

दुर्घटना जिलाक झंझारपुर अनुमंडलक अरड़िया संग्राम ओपी क्षेत्रक पिपरौलिया मे भेल। सूचना मिलय पर घटनास्थल पर पहुंचल अरड़िया संग्राम ओपी प्रभारी जीतेन्द्र सहनी कानूनी प्रक्रिया शुरू क’ देने छथि। मृतक मे एकटा आंगनबाड़ी सेविका फुलपरास थाना कें बथनाहा गामक ब्रहमदेव महतो केर पत्नी 45 वर्षीया प्रमिला देवी, महादेवमठ थाना कें गढ़िया निवासी राम बहादुर साह कें 26 वर्षीय बेटा गुजेंश्वर साह आ महावीर साह केर चाइर वर्षीय बेटी राधिका कुमारी बताओल जा रहल अछि। राधिका अपन मां काजल गुप्ता कें संगे छलि।

जानकारी कें मुताबिक सभ’ पटना मे आयोजित आंगनबाड़ी सेविका कें आंदोलन कें ल’ एकटा बैठक मे शामिल होबय गेल छलि। पटना सं वापसी समय हुनकर गाड़ी सुमो गोल्ड जेनाहि पिपरौलिया कें पास पहुंचल त’ आगू जा रहल एकटा ट्रक सं टकरा गेल। टक्कर एते जोरदार छल जे गाड़ी कें अगला हिस्सा पूर्ण तरहे क्षतिग्रस्त भ’ गेल।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु