बिहार मे रोज होबय वला कोरोना सैंपलक जांच संख्या एक लाख कें पार भ’ गेल। पिछला 24 घंटा मे 104452 सैंपल कें जांच भेल, जाहिमे 3906 संक्रमित भेटल। अहि तरहे कुल संक्रमितक संख्या 94459 भ’ गेल अछि। जखन 2439 आर संक्रमित स्वस्थ भेल आ कुल ठीक होबय वलाक संख्या  62507 भ’ गेल अछि। अखन राज्यक रिकवरी दर 66.17% आ एक्टिव मरीजक संख्या 31467 अछि। पटना समेत राज्यक 15 जिला मे सौ सं बेसि नबका मरीज भेटल।

कोरोना सं रिटायर आईएएस मनाेज श्रीवास्तव कें मृत्यु

एम्स मे काेराेना सं 1980 बैच कें थर्ड टाॅपर रिटायर आईएएस मनाेज श्रीवास्तव कें मृत्यु भ’ गेल। 62 साल कें मनाेज वा हुनक पत्नी नीना 17 जुलाई कें एम्स मे एडमिट भेलैथ। पत्नी काेराेना कें मात द’ देलनि। पाटलिपुत्र काॅलाेनी निवासी मनाेज कें दूटा बेटा आ एकटा बेटी छलनि। बड़का बेटा सागर श्रीवास्तव इंदाैर मे आईआरएस अधिकारी छथि। बांसघाट पर हुनक अंतिम संस्कार भेल।

नबका मरीजक संख्या नहि, संक्रमण दर देखू , घटि कें 3.74% भ’ गेल

स्वास्थ्य विभागक प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत कोरोना सैंपल जांचक संख्या एक लाख सं बेसि होबय पर कहलनि जे जांच मे भेटल संक्रमितक संख्या नहि, जखन संक्रमणक दर कें देखबाक चाहि। राज्य मे कोरोना संक्रमणक दर मे लगातार कमी आबि रहल अछि। पिछला 24 घंटे मे 104452 सैंपल केर जांच भेल, जाहिमे 3906 संक्रमित भेटल अछि। ई संख्या देखेय मे जरूर बड़का अछि, मुदा संक्रमण दर कम भ’ 3.74% रहि गेल अछि। जखन महज 13 दिन पहिने ई दर 14% कें करीब छल।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु