बिहार मे कोरोनाक खिलाफ जंग मे भेटल पीएम केयर फंड ट्रस्ट कें सहयोग। पीएम केयर फंड ट्रस्ट केर ओर सं बिहारक पटना आ मुजफ्फरपुर मे 500 बेड कें कोविड हॉस्पिटल कें फंड देबाक निर्णय कयल गेल अछि। पीएम केयर्स कें अहि मदद सं कोरोना सं जंग मे बहुत मदद भेटत।

प्रधानमंत्री कार्यालय PMO केर तरफ सं ई मामला मे ट्वीट पर जानकारी देल गेल अछि। पीएमओ ट्वीट क’ लिखने अछि जे पीएम केयर्स फंड ट्रस्ट पटना आ मुजफ्फरपुर मे डीआरडीओ द्वारा निर्माणाधीन 500 बेडक कोविड अस्पताल मे फंड देबाक निर्णय केने अछि। अहिसँ बिहार मे कोविड केयर मे सुधार आयत।

पीएमओ अगला ट्वीट मे लिखने अछि जे पटनाक बिहटा स्थित 500 बेडक कोविड हॉस्पिटल कें उद्घाटन आइ होयत ओतय मुजफ्फरपुरक 500 बेड कें अस्पतालक उद्घाटन बहुत जल्द होयत।

बिहटा ईएसआई हॉस्पिटल मे डीआरडीओ कें सहयोग सं 500 बेडक कोरोना अस्पताल तैयार भ’ गेल अछि।अस्पताल मे कोरोना वायरस कें उपचार सं संबंधित तमाम सुविधा मरीज कें लेल उपलब्ध कराओल गेल अछि ।अहि अस्पताल मे मरीज सीधा आ रेफर भर्ती भ’ सकैत अछि। कोरोना वायरस कें ओहन गंभीर मरीज जिनका आईसीयू आ वेंटिलेटर पर रखबाक जरूरत होयत, ओ सहो अतय भर्ती भ’ सकैत अछि। पटना मे सरकारी आ प्राइवेट अस्पताल कें अलावा डीआरडीओ कें 500 बेडक अस्पताल मरीज कें लेल उपलब्ध होयत।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु