कोरोना संकट कें बीच प्रवासी मजदूर कें घर वापसी केर मुद्दा सबसा अहम रहल अछि. अहि मुद्दा पर सियासत सेहो खूब भेल अछि. एक बेर फेर अहि पर राजनीति तेज अछि. आम आदमी पार्टी कें राज्यसभा सांसद संजय सिंह 180 प्रवासि केर संग ल’ फ्लाइट सं पटना कें लेल रवाना भेला. ई जानकारी ओ अपने ट्विटर पर शेयर केलनि.

ओ ट्वीट करैत कहला , ‘जे सब अपन आशियाना बनओलनि, जे अपन श्रम सं अहि राष्ट्र केर निर्माण केलनि, राष्ट्र कें सच्चा निर्माता 180 प्रवासी मजदूर भाई- बहन कें संग दिल्ली एयरपोर्ट सं पटना कें लेल रवाना भ’ रहल छी.’

अहिसँ पहिने संजय सिंह बुधदिन शाम क’ दिल्ली सं पटना फ्लाइट मे किछू प्रवासी श्रमिक क’ लेकर पहुंचल छला. संजय सिंह कहलनि जे अहि समय पूरा देश मे प्रवासी मजदूरक हालत काफी खराब अछि. अहि लेल हुनकर मदद करय कें लेल ओ बतौर सांसद हुनका साल मे जे 34 हवाई टिकट मुफ्त मिलैत छैन ओकर उपयोग करैत ओ प्रवासी मजदूर कें दिल्ली सं पटना पहुंचोलनि.