देश मे एक बेर फेर बिहारी युवा अपन प्रतिभा कें लोहा मनबोलैथ। बेगूसराय कें अनुराग कुमार प्रधानमंत्री आत्मनिर्भर प्रतियोगिता मे प्रथम स्थान प्राप्त केलनि। अनुराग कें सबसा निक आ उपयोगी मोबाइल एप्लिकेशन बनाबय लेल देश मे प्रथम स्थान भेटलनि।

अहि प्रतियोगिता मे देशभरि मे 12 हजार सं अधिक युवा भाग लेने छलाह । जाहिमे आठ हजार युवा मोबाइल एप्लिकेशन बनोने छलाह । सात अगस्त कें प्रतियोगिताक रिजल्ट जारी कयल गेल । अनुराग कैप्प्शन प्लस नाम सं एकटा मोबाइल एप्लिकेशन बनोने छलाह । अहि एप्लिकेशनक खासियत अछि जे सोशलसाइट वा यूट्यूब पर कोन तरहक पोस्ट आ विडियो पर कोन तरहक कैप्शन आ हैशटैग चाहि, ई अपने सं कैप्शन आ हैशटैग लगा देत अछि। एकर लेल अनुराग कें 20 लाख रुपया कें पुरस्कार भेटल अछि। 27 वर्षीय अनुराग आईआईटी दिल्ली सं एग्जक्यूटिव एमबीए प्रोग्रामक पढ़ाई केने छथि। हिनक पिता सेहो इंजीनियर छथि।

पूर्ण तरहे भारतीय एप अछि
अहाँ सोशलसाइट पर एकटा पोस्ट करैत छी त’ घंटा भरि सोचय परैत अछि जे कोन तरहक कैप्शन दी जे आसानी सं सभ’ लोक कें समझ मे आबि जाय आ लोग बेसि शेयर करय। ई एप कें खासियत अछि जे मिनट मे कैप्शन द’ दैत अछि, जाहिसँ कोनो युवा अपन व्यवसाय कें आसानी सं घर धरि पहुंचा सकैत छथि। कैप्प्शन प्लस लेखकक लेल सेहो एकटा शानादार मंच प्रदान करैत अछि। दुनिया मे कैप्शन प्लस कें 22 लाख यूजर्स अछि। गूगल प्ले स्टोर सं पहिल स्थान पर अछि। डाटा सिक्यूरिटी कें संगे, आसानी सं उपयोग होबय वला मोबाइल एप्लिकेशन अछि। अनुराग अपन सफलताक श्रेय अपन परिवार आ दोस्त कें देलनि। अहिसँ पहिने अनुराग भारत सरकारक गूड गवर्नेस आइडिया प्रतियोगिता मे सेहो अव्वल आबि चुकल छथि। ओ दिल्ली केर फेबरेंटो कंपनी मे सीटीओ कें पद पर कार्यरत छथि।