मिथिला: जमुई सँ सांसद आओर केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान जीक बेटा चिराग पासवान आइ लोक जनशक्ति पार्टीके (LJP) राष्ट्रीय अध्यक्ष बनय जा रहल छथि। चिरागक इ ताजपोशी दिल्लीमे रामविलास पासवानक मौजूदगीमे होयत। मंगलदिन सेहो दिल्लीमे पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारिणीक बैसकी होयत। अहि बैसकीमे चिराग पासवानक ताजपोशी सम्भव अछि। मोदी सरकारमे मंत्री रामविलास पासवान चिराग पासवानके लोजपाक राष्ट्रीय अध्यक्षक जिम्मेवारी सौपताह. रामविलास पासवान 2014 लोकसभा चुनाव सँ पहिले चिरागके लोजपा संसदीय बोर्डक अध्यक्षक जिम्मेवारी देने छलाह। एकर पांच साल बाद आब हुनका पार्टीक नेतृत्व देल जा रहल छन्हि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु